काठमाण्डू, १६ कातिक : चालु वर्षके वैशाख १ गतेसँ आइ कातिक १६ गतेधैर देशभैर सात हजार ६ सओ ८८ टा विपदके घटना भेल अइछ ।
उक्त घटनामे ४ सओ २ गोटेके मृत्यु भेल अइछ, तँ १७ गोटे अखनो बेपत्ता अइछ ।
राष्ट्रिय विपद जोखिम न्यूनीकरण तथा व्यवस्थापन प्राधिकरण अनुसार सर्पदंश, भूस्खलन, बाइढ़, ठन्का, आइगलगी, जानवरके आक्रमण, हिम भूस्खलन, हावा बिहाइर, भारी वर्षा, नाउ दुर्घटना, जंगलमे आइगलगी, विस्फोटन, पाथर आ भूकम्पलगायत विपदके घटना भेल अइछ ।
प्राधिकरणके प्रवक्ता राम बहादुर केसीके कहब अनुसार उक्त अवधिमे भूस्खलनके एक हजार ७ सओ ३५, सर्पदंशके एक हजार ६ सओ ६८, आइगलगीके एक हजार ६ सओ ४१, भारी वर्षाके ५ सओ ९३, हावाहुरीके ५ सओ ३७, बाइढ़के ४ सओ ६६, जानवरके आक्रमणके ४ सओ १७ आ ठन्काके ३ सओ ३३ घटना भेल अइछ ।
तहिना, जंगली एक सओ ९२, लेक लागएके ७९, हिम भूस्खलनके छ, भूकम्पके नौ, पाथरके चाइर, नाउ दुर्घटना दू, विस्फोटनके एक आ अन्य पाँच घटना भेल अइछ ।
विपदके घटनामे सर्पदंशसँ एक सओ १६, भूस्खलनसँ ७७, बाइढ़सँ ४१, ठन्कासँ ३६, आइगलगीसँ ३२, लेक लाइग क २७, जानवरके आक्रमणसँ २३, हिम भूस्खलनसँ १९, हावा बिहाइरसँ १६, भारी वर्षासँ सात, नाउ उनटलासँ पाँच, जंगलमे आइगलगी भेलासँ एक, विस्फोटनसँ एक आ अन्य घटनामे पाँच गोटेके मृत्यु भेल अइछ ।
विपदके घटनामे अखनधैर दू हजार ५ सओ २९ गोटे घायल भेल अइछ, तँ नौ हजार ८ सओ ५७ परिवार विस्थापित भेल प्राधिकरणके तथ्याङ्कमे उल्लेख अइछ ।
भादब १० गतेके रसुवाके भोटेकोशी नदीमे आएल बाइढ़के विस्तृत क्षति विवरण प्रणालीमे समाविष्ट करबाक बाँकी भेलासँ तथ्याङ्कमे उल्लेख नै कएल गेल प्राधिकरण जनौलक अइछ । (रासस)















