काठमाण्डू, १६ कातिक : प्रधानमन्त्री वालेन्द्र शाह भूमि प्रशासनसम्बन्धी सेवा एक महिना भीतर सब स्थानीय तहसँ प्रवाह होबाक बतौलैन अइछ ।
सामाजिक सञ्जालमार्फत आइ ओ हाल ३३ टा स्थानीय तहसँ सञ्चालन भ रहल भूमि प्रशासनसम्बन्धी सेवा सब स्थानीय तहमे पहुँचेबाक बतौलैन ।
सरकार अपन शासकीय सुधारसम्बन्धी १०० कार्य सूचीमे भूमि प्रशासनसम्बन्धी सेवा स्थानीय तहसँ प्रवाह करबाक उल्लेख कएने छल ।
ओ कहलैन, “सङ्घीय लोकतान्त्रिक गणतन्त्रके मूल मर्मके अर्थ राज्य आ नागरिक बीचक दूरी कम केनाइ छै । राज्यके सेवा सुविधा लेबाक लेल दूर–दूर रहल कार्यालयधैर सहज रूपमे पहुँचनाइ नै भ आवश्यक कार्यालय आ कार्यालयके सेवासभ नागरिकधैर पहुँचनाइ एकर अन्तिम लक्ष्य छै ।”
नेपालक संविधान, स्थानीय सरकार सञ्चालन ऐन, २०७४ आ भूमिसम्बन्धी किछ नेपाल ऐन संशोधन करबाक अध्यादेश, २०८३ कएने व्यवस्थाबमोजिम भूमि प्रशासनक सेवा स्थानीय तहमे हस्तान्तरण करबाक प्रक्रिया आगु बढ़ाएल गेल हुनक कहब छैन ।
अइ प्रक्रियाकेँ थप गति दैत बाँकी रहल सम्पूर्ण स्थानीय तहसभसँ सेहो अगिला एक महिनामे भूमि प्रशासनसम्बन्धी सेवा अनिवार्य रुपमे सञ्चालन करैजका व्यवस्था मिलेबाक निर्णय कएल गेल प्रधानमन्त्री शाह बतौलैन । उक्त कार्यमे स्थानीय तहकेँ आवश्यक सम्पूर्ण सहयोग उपलब्ध करेबाक लेल नेपाल सरकार प्रतिबद्ध रहल हुनक कहब छलैन ।
“नेपाल सरकारक अइ पहलसँ स्थानीय तह भूमि प्रशासनसम्बन्धी अपन संवैधानिक तथा कानुनी अधिकारके पूर्ण प्रयोग क सकत”, ओ कहलैन, “नागरिककेँ जग्गासम्बन्धी सेवा देबाबाक लेल भूमि प्रशासन तथा नापी कार्यालय नागरिकके थप निकट, सरल आ सहज हएत, तँ अधिकारकेँ केन्द्रमे सीमित करबाक कानुनी प्रावधानसभ आसान हएत से नेपाल सरकारके विश्वास छै ।”( रासस)















