चितवन, १६ कातिक : पृथ्वी राजमार्गअन्तर्गत मलेखु–मुग्लिङ सड़कखण्ड आइ तीन घण्टा बन्द हएत । सड़कखण्डके मझिमटारमे आकाशे पुलके यात्री आवागमन करैबला भाग (गर्डर) राखबाक काज भेलासँ भोर ११ः०० बजेसँ दुपहर २ः०० बजेधैर उक्त सड़कखण्डमे सवारी आवागमन पूर्ण रूपमे बन्द कएल गेल अइछ ।
नागढुङ्गा–मुग्लिङ सड़क आयोजना पश्चिम खण्डके सूचना अधिकारी सचेन्द्र मिश्रके कहब अनुसार पुलके गर्डर राखबाक काजके लेल सड़क बन्द कएल गेल अइछ । उक्त अवधिमे मलेखु–मुग्लिङ सड़कखण्ड होइत आवतजावत करैबला सब प्रकारक सवारीसाधन सञ्चालनमे रोक लगाएल गेल ओे जानकारी देलैन ।
सड़क बन्द रहबाक समयमे सवारी चालक तथा यात्रीकेँ धैर्यतापूर्वक यथास्थानमे रहए, लेन अनुशासन कायम करए तथा ट्राफिक नियमके पालन करबाक लेल आयोजना अनुरोध केलक अइछ । ( रासस)















