महोत्तरी, १६ कातिक :नेपाली कम्युनिष्ट पार्टी (नेकपा) के संयोजक पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’ मधेश प्रदेश सरकार गठनबारे दलसभ बीच संवाद भ रहल बतौलैन अइछ ।
पार्टीके राष्ट्रिय जागरण अभियानअन्तर्गत मधेश प्रदेशस्तरीय अभिमुखीकरणके लेल बर्दिबास आएल संयोजक दाहाल आइ सञ्चारकर्मीसँ बातचित करैत दलसभ बीच विभिन्न विकल्प खुला राखैत परामर्श भ रहल स्पष्ट केलैन ।
ओ कहलैन, “हमसभ लोकतान्त्रिक गणतन्त्रके पक्षधर राजनीतिक दल मधेश सरकारक स्थायित्वके लेल सघन परामर्शमे छी, आब जल्दी अइबारे निष्कर्षमे पहुँचब ।”
लोकतान्त्रिक गणतन्त्रक पक्षधर बीच सहकार्य, समवंय आ आपसी सम्बन्ध सुदृढ़ बनेबाक उद्देश्यसँ हमरासभक दल राष्ट्रिय जागरण अभियान सञ्चालन क रहल संयोजक दाहाल बतौलैन । “ई अभियान मुख्यतः हमरासभक दलक आन्तरिक साङ्गठनिक काज व्यवस्थित करबाक सवालमे केन्द्रित छै,” ओ कहलैन, “अइ अभियानके धरातलसँ हमसभ लोकतान्त्रिक गणतन्त्र पक्षधर बीचक सम्बन्ध प्रगाढ़ बनाबैत आगु बढ़ब ।”
अइबीच, उक्त दल राष्ट्रिय जागरण अभियानअन्तर्गतके मधेश प्रदेशस्तरीय अभिमुखीकरण कार्यक्रम बर्दिबासमे आइ आयोजन कएने अइछ ।
उक्त कार्यक्रममे मधेशभैरके पार्टीके केन्द्रीय सदस्य, मधेश प्रदेश कमिटीके पदाधिकारी आ जिला अध्यक्ष/संयोजक सहभागी हाेबाक दलक मधेश प्रदेश इञ्चार्ज राजु खड्का जानकारी देलैन । उक्त कार्यक्रममे दलक सहसंयोजक माधव कुमार नेपाल सेहो सहभागी होबाक बताओल गेल अइछ ।. रासस















