सुनसरी, १६ कातिक : धरान उपमहानगरपालिका–२० च्यानडाँडासँ प्रहरी दू क्विन्टलसँ बेसी गाँजासहित पाँच गोटेकेँ गिरफ्तार केलक अइछ ।
जिला प्रहरी कार्यालय अनुसार गाँजा ओसारपसार भ रहल विशेष सूचनाके आधारमे खटल प्रहरी टोली दूटा स्कार्पियो गाड़ीमे ‘लोड’ कएल गेल दू क्विन्टल नौ किलो ४ सओ २० ग्राम गाँजासहित ओकरासभकेँ गिरफ्तार केलक अइछ ।
प्रहरीकेँ देखलाक बाद गाँजासहित भागबाक क्रममे प्रहरी दू राउण्ड हवाई फायर क ओकरासभकेँ नियन्त्रणमे लेने जिला प्रहरी कार्यालयके सूचना अधिकारी चन्द्र बहादुर खड्का जानकारी देलैन ।
गिरफ्तार हुअबलामे सप्तरीके डाक्नेश्वरी नगरपालिका–१० के २४ वर्षीय राम सागर कुमार यादव, राजगढ गाउँपालिका–१ के ४५ वर्षीय राजेन्द्र प्रसाद मण्डल, भारतक बिहार प्रान्त मधुवनी जिलाके ३८ वर्षीय सन्तोष ठाकुर, सप्तरीके छिन्नमस्ता गाउँपालिका–६ के ५९ वर्षीय राज कुमार साह आ धरान उपमहानगरपालिका–११ के २१ वर्षीय अमृत बिशुङ्खे छैथ ।
प्रहरी ओइ क्रममे बा १ च ५०३८ आ को १ च ८१८२ नम्बरके दूटा स्कार्पियो सेहो बरामद कएने सूचना अधिकारी खड्का बतौलैन । प्रहरी अनुसार गिरफ्तार भेल पाँचु गोटेकेँ गाँजा आ गाड़ीसहित थप अनुसन्धानक लेल इलाका प्रहरी कार्यालय धरानमे राखल गेल अइछ ।(रासस)















