काठमाण्डू, १६ कातिक : कर्णाली याक्स तेसर संस्करणके नेपाल प्रिमियर लिग (एनपिएल)के बाँकी खेलक लेल बङ्गलादेशक युवा ब्याटर जिशन अलामकेँ टोलीमे अनुबन्ध केलक अइछ ।
कर्णाली याक्स स्पोट्र्स प्रालिके अध्यक्ष गृहेन्द्र घिमिरे रैशदिन जिशनकेँ टोलीमे अनुबन्ध कएने जानकारी देलैन । हुनक कहब अनुसार जिशनके आगमनसँ टोलीके शीर्षक्रम थप मजबुत हएत ।
एक्काइस वर्षीय जिशन बङ्गलादेशके उमेर समूह होइत ‘ए’ टोलीसँ खेल चुकल ब्याटिङ अलराउन्डर छैथ । बङ्गलादेशक फ्रेन्चाइज टोली राजशाही वारियर्स आ दुरबार राजशाहीसँ सेहो ओ प्रतिस्पर्धा क चुकल छैथ ।
जिशन कर्णालीमे आबद्ध हुअबला तेसर बङ्गलादेशी खेलाड़ी छैथ । अइसँ पहिने अरिफुल इस्लाम आ अकबर अली टोलीमे अनुबन्ध भेल छलैन । जिशन लिस्ट ‘ए’ के ४९ खेलमे भाग लैत एक हजार २ सओ ९५ रन बनौने छैथ । २७ टी–२० अन्तर्राष्ट्रिय खेलमे प्रतिस्पर्धा करैत ओ ५ सओ ७१ रन बनौने छैथ ।( रासस)















