विराटनगर, १५ कातिक : कोशी प्रदेशक मुख्यमन्त्री हिक्मत कुमार कार्की प्रदेश प्रमुख पर्शुराम खापुङसँ आइ बिदाइ भेटघाट केलैन अइछ । वि.सं. २०७८ कातिक २५ गते कार्यभार सम्हारने प्रदेश प्रमुख खापुङके इएह कातिक २४ गते पाँच वर्षक कार्यकाल पूरा भ रहल अइछ ।


बिदाइ भेटघाटमे मुख्यमन्त्री कार्की प्रदेशक विकास आ समृद्धिमे ओ कएने योगदानप्रति धन्यवाद ज्ञापन केलैन । भेटमे प्रदेशक विकास आ विविध पक्षमे बातचित सेहो भेल मुख्यमन्त्री कार्कीके प्रेस सल्लाहकार विक्रम लुइँटेल जानकारी देलैन ।


मुख्यमन्त्री कार्की प्रदेशमे सीमित स्रोतसाधन बीच विकास आ स्थिरताकेँ आगु बढ़ेबाक प्रयत्न भ रहल जानकारी दैत सङ्घीयताके बाद पाँच सालक कार्यकाल पूरा कएने प्रदेश प्रमुख खापुङप्रति हार्दिक आभार व्यक्त केलैन । मुख्यमन्त्री कार्की अभिभावकत्व प्रदान करैत संवैधानिक तथा कानुनी व्यवस्थाकेँ सुव्यवस्थित बनेबाक लेल प्रदेश प्रमुख खापुङ निर्वाह कएने भूमिका स्मरणीय रहबाक बतौलैन ।


भेटघाटमे प्रदेश प्रमुख खापुङ अपन कार्यकालमे प्रदेश सरकार कएने सहयोग आ सहकार्यप्रति धन्यवाद ज्ञापन केलैन । संवैधानिक व्यवस्थाअनुसार प्रदेश प्रमुखके कार्यकाल पाँच वर्षके होइत अइछ । संवैधानिक व्यवस्था अनुसार एकटा प्रदेशमे पाँच साल बितौलाक बाद ओएह प्रदेशमे पुनः प्रदेश प्रमुख नै भ सकैत छी । (रासस)