काठमाण्डू, १५ कातिक : नेपालक अन्तर्राष्ट्रिय व्यापार प्रवर्द्धन करबाक उद्देश्यसँ आगामी अगहन १७ गतेसँ २१ गतेधैर राजधानीमे ११म संस्करणके ‘नेपाल अन्तर्राष्ट्रिय व्यापार मेला’ हएत ।
नेपाल सरकारक सहयोग आ निजी क्षेत्रक आयोजनमे हुअबला उक्त मेलामे चीन, भारत, पाकिस्तान, बङ्गलादेश आ भुटानक व्यवसायीके सहभागिता रहत । नेपाल व्यापार एकीकरण रणनीतिमे विशेष रुपमे पहिचान कएल गेल इलाइँची, चायपति, आदी, दवाइ तथा सुगन्धित जड़ीबुटी, हस्तकला, पश्मिनालगायत सामानके निर्यात वृद्धि करबाक लेल सहयोग पहुँचेबाक उद्देश्यसँ मेला आयोजन कएल जाएत ।
कुल २ सओसँ बेसी कक्षमार्फत मेलामे स्वदेशी एवं विदेशी सामान तथा सेवाके प्रदर्शन करबाक आइ आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे जानकारी कराओल गेल अइछ । मेलामे सार्क राष्ट्रसहित चीन, कोरिया आ जापानलगायत देशक क्रेतासभकेँ आमन्त्रण कएल गेल नेपाल उद्योग वाणिज्य महासङ्घ जनौलक अइछ ।
मेलाके मुख्य आकर्षणमे नेपालमे निर्मित हस्तकलाक उत्पादन, वस्तुगत सङ्घक उत्पादन तथा विद्युतीय सवारीसाधनके अलग पेभिलियन रहत । दू पक्षीय व्यापार प्रवर्द्धन तथा लगानीबारे परामर्श हुअबला मेला करिब एक लाख अवलोकन करबाक अनुमान कएल गेल अइछ ।
मेलासँ नेपालमे अन्तर्राष्ट्रिय लगानी तथा प्रविधि आकर्षण करबाक, नेपाली उत्पादनके अन्तर्राष्ट्रिय बजार प्रवर्द्धन क समग्रमे देशक अर्थतन्त्रकेँ उपर उठेबाक लेल सहयोग होबाक महासङ्घके विश्वास अइछ । (रासस)















