ललितपुर, १५ कातिक : नेपाली कांग्रेसक सभापति गगन कुमार थापा लोकतान्त्रिक मूल्य आ मान्यताविपरीत हुअबला कोनो गतिविधि कांग्रेसकेँ स्वीकार्य नै होबाक बतौलैन अइछ ।


नेपाली कांग्रेसक केन्द्रीय कार्यालयमे आइ आयोजित ‘प्रतिपक्षके निगरानी कार्यक्रम’केँ सम्बोधन करैत सभापति थापा लोकतन्त्र, प्रेस स्वतन्त्रता आ नागरिकके मौलिक अधिकारकेँ सम्मान करैत सुशासन कायम क सकबाक बतौलैन ।


“सरकारकेँ जवाबदेही बनेबाक आ लोकतान्त्रिक व्यवस्थाके आधारभूत मान्यताके संरक्षण केनाइ प्रतिपक्षके दायित्व छै । कांग्रेस सशक्त प्रतिपक्षके भूमिका निर्वाह करत । लोकतन्त्र, नागरिकके मौलिक हक आ प्रेस स्वतन्त्रताक विषयमे सरकारके ध्यान देबए पड़त । हमसभ सरकारकेँ जवाबदेही बनाबए तथा लोकतान्त्रिक मूल्य आ मान्यताके संरक्षणक लेल सशक्त प्रतिपक्षके भूमिका निर्वाह करब”, सभापति थापा कहलैन ।


सञ्चारमाध्यममे प्रहरी परिचालन क पत्रकार गिरफ्तार कएल गेल घटनाकेँ गम्भीर रूपमे लेबाक चाही कहैत सभापति थापा सञ्चारगृहमे प्रहरी प्रवेश केनाइ सकारात्मक नै भेल धारणा व्यक्त केलैन । सञ्चारमाध्यममे प्रहरी परिचालन आ पत्रकार गिरफ्तारके घटनासँ प्रेस स्वतन्त्रता तथा लोकतान्त्रिक अभ्यासपर प्रश्न उत्पन्न भेल कहैत सभापति थापा ओइमे प्रहरीके दिससँ आएल अलग–अलग वक्तव्य आ प्रधानमन्त्रीके सचिवालयसँ सार्वजनिक कएल गेल धारणासँ आओर अन्योल उत्पन्न भेल बतौलैन ।


घटनाकेँ सामान्य वक्तव्य जारी क निस्कर्समे नै पहुँचेबाक चाही कहैत घटनाके वास्तविकता सार्वजनिक करबाक लेल ओ सरकारसँ माँग केलैन । सरकारक अधिकार कानुनसँ निर्देशित होबाक चाही कहैत सभापति थापा राज्य सञ्चालनमे व्यक्तिगत इच्छा आ आदेशकेँ कानुनसँ उपर राखबाक प्रवृत्ति लोकतन्त्रके लेल खतरनाक होबाक बतौलैन । कानुनी शासनमे राज्यके सब निकाय संविधान आ कानुनअनुसार सञ्चालन होबाक चाही उल्लेख करैत ओ शक्तिके स्वेच्छाचारी प्रयोग स्वीकार्य नै होबाक बतौलैन ।


कानुनी शासनमे कियो गोटे कानुनसँ उपर रहि काज नै सकबाक उल्लेख करैत सभापति थापा सरकारक हरेक गतिविधि विधि आ प्रक्रियासम्मत होबाक चाही तइपर जोड़ देलैन ।(रासस)