राँझा (बाँके), १५ कातिक : नेपालगञ्ज भंसार कार्यालय चालु आर्थिक वर्षके पहिल तीन महिनामे पाँच अरब २४ करोड़ टकासँ बेसी राजस्व सङ्कलन केलक अइछ ।
चालु आर्थिक वर्ष २०८३/८४ के साओन, भादब आ आसिनसहित तीन महिनामे पाँच अरब २४ करोड़ ८९ लाख ८५ हजार टका राजस्व सङ्कलन भेल नेपालगञ्ज भंसार कार्यालयके सूचना अधिकारी पबित्र कुमार खड्का बतौलैन ।
हुनक कहब अनुसार ई राजस्व सङ्कलन कुल लक्ष्यके २०.४ प्रतिशत मात्रे अइछ । साओनके लेल एक अरब ८३ करोड़ ४३ लाख ६८ हजार टका लक्ष्य निर्धारण कएल गेल छल । ओइमे एक अरब ६१ करोड़ १७ लाख ७३ हजार टका, भादबमे दू अरब नौ करोड़ ६४ लाख २० हजार टका लक्ष्य निर्धारण कएल गेल छल, जइमे एक अरब ७४ करोड़ १२ लाख ५१ हजार टका आ आसिनमे महिनामे दू अरब ३५ करोड़ ८४ लाख ७४ हजार टका लक्ष्य निर्धारण कएल गेल छल, जइमे एक अरब ८९ करोड़ चाइर लाख सात हजार टका सङ्कलन भेल अइछ ।
साओन महिनामे मासिक लक्ष्यके ८७.८७ प्रतिशत, भादबमे ८३.०६ आ आसिनमे लक्ष्यके ८०.३१ प्रतिशत राजस्व सङ्कलन कएल गेल अइछ । बितल आव २०८२/८३ मे अपन लक्ष्यअनुसारके राजस्व सङ्कलन करबाक लेल असफल नेपालगञ्ज भंसार कार्यालयके लेल चालु आव २०८३/८४ मे डेढ़ अरब बेसी लक्ष्य निर्धारण कएल गेल अइछ ।
नेपालगञ्ज भंसार कार्यालयके लेल बितल आव २०८२/८३ मे २४ अरब ५४ करोड़ ५७ लाख ८२ हजार टका राजस्व सङ्कलनक लक्ष्य निर्धारण कएल गेल छल । ओइमध्ये करिब ८१.८७ प्रतिशत अर्थात् २० अरब ११ करोड़ ५५ लाख एक हजार टका मात्रे असुली कएने छल ।
बितल आवमे २० अरब ११ करोड़ टका राजस्व असुली कएने नेपालगञ्ज भंसारकेँ लेल चालु आव २०८३/८४ मे २६ अरब २० करोड़ ५२ लाख ६५ हजार टका लक्ष्य निर्धारण कएल गेल अइछ । जे, बितल आवके वास्तविक असुलीसँ छ अरबसँ बेसी आ बितल आवके लक्ष्यसँ एक अरब ६५ करोड़ टका बेसी अइछ ।
नेपालगञ्ज भंसार कार्यालयसँ इन्धन, ट्याक्टर तथा ट्रिलर, पोलिथिन दाना, चाओर, खाद्यान्न, लोहालगायतक वस्तुके आयात बेसी होइत अइछ, तँ जड़ीबुटीलगायतक वस्तु तथा सामान निकासी होइत अइछ । राजस्व सङ्कलनके वार्षिक लक्ष्य पूरा करबाक लेल आवश्यक कार्ययोजना बनाएल गेल सूचना अधिकारी खड्का बतौलैन । (रासस)















