काठमाण्डू, १५ कातिक : राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा) अगिला स्थानीय तह निर्वाचनक लेल महानगरपालिका तथा उपमहानगरपालिकाके वाड अध्यक्ष आ वाड सदस्य पदमे उम्मेदवारी देबाक लेल इच्छुक तथा योग्य व्यक्तिके लेल आवेदन खुला करबाक निर्णय केलक अइछ ।


पार्टीके केन्द्रीय कार्यालय वनस्थलीमे आइ महामन्त्री एवं स्थानीय तह निर्वाचन उम्मेदवार छनौट रूपरेखा कार्यावंयन तथा समवंय समितिके संयोजक विपिन कुमार आचार्यके सभापतित्वमे भेल बैसारसँ ‘क्यान्डिडेट क्लब’मार्फत आवेदन खुला करबाक निर्णय कएल गेल ।


बैसारसँ उम्मेदवार छनौट रूपरेखा कार्यावंयन तथा समवंयके लेल विभिन्न सात उपसमिति गठन कएल गेल अइछ । पार्टी प्रवक्ता जगदीश खरेलके कहब अनुसार क्यान्डिडेट क्लबक संयोजकमे कविन्द्र बुर्लाकोटी, प्रविधि उपसमितिमे सुशान्त वैदिक, शिकायत समवंयमे जनकसिंह धामी, समावेशिता तथा महिला सहभागितामे डा. तोशिमा कार्की आ क्षमता विकास समवंय उपसमितिमे टासी ल्हाजोमकेँ जिमेवारी देल गेल अइछ । (रासस)