काठमाण्डू, १५ कातिक : लगातारक वर्षाके कारण खहरे नदीसँ थालसहित पाथर आ माइट सड़कपर जमा भेल तथा भूस्खलनके कारण काभ्रे, खोटाङ आ ललितपुरक विभिन्न सड़कखण्ड अवरुद्ध भेल प्रहरी प्रधान कार्यालय आइ भोर जारी कएने सूचनामे उल्लेख अइछ ।
काभ्रेके रोशी गाउँपालिका–९ पिन्थली आ वाड नं. ८ गिम्दीबेँसीस्थित बिपी राजमार्गमे खहरे नदीसँ पाथर आ माइटसहितक थाल सड़कपर जमा भेलाक बाद यातायात पूर्ण रूपमे अवरुद्ध भेल अइछ ।
खोटाङके हलेसी तुवाचुङ नगरपालिका–१ लाकुरीडाँडास्थित मध्यपहाड़ी लोकमार्गमे वर्षाके कारण थालसहित भूस्खलन भेलासँ करिब १५ मिटर सड़क अवरुद्ध भेल अइछ ।
ललितपुर महानगरपालिका–२ सुन्दरीघाटमे बागमती नदी करिडोरके सड़कपर वर्षाके कारण जलसतह बढ़लासँ आवागमन अवरुद्ध भेल अइछ । बागमती गाउँपालिका–३ पाङ्दुर आ टार्कुचेस्थित कान्ति लोकपथमे भूस्खलन भेलासँ सड़क पूर्ण रूपमे अवरुद्ध भेल अइछ ।(रासस)















