काठमाण्डू, १५ कातिक : अर्नब चक्रवातके अवशेषक रूपमे पश्चिम नेपाल लग रहल न्यून चापीय क्षेत्रके प्रभाव कमजोर भ रहल आ उपरका वायुमण्डलमे रहल पश्चिमी न्यून चापीय प्रणालीके आंशिक प्रभाव मात्रे भेलाक कारण मौसम क्रमिक रूपमे सुधार होबाक मौसम पूर्वानुमान महाशाखा जनौलक अइछ ।


अखन लुम्बिनी प्रदेशलगायत देशक हिमाली भू–भागमे साधारणतया मेघ लागल अइछ, तँ बाँकी भागमे आंशिक मेघ लागल अइछ । बागमती, गण्डकी, लुम्बिनी आ कर्णाली प्रदेशक एक–दू स्थानपर हल्का वर्षा भ रहल अइछ ।


महाशाखा अनुसार आइ दुपहर देशभैर आंशिक मेघ लागत, तँ हिमाली आ पहाड़ी भागक एक–दू स्थानपर हल्का वर्षा तथा हिमपातके सम्भावना अइछ ।


आइ राइत सेहो देशभैर आंशिक मेघ लागत । गण्डकी, कर्णाली आ सुदूरपश्चिम प्रदेशक हिमाली तथा पहाड़ी भागक एक–दू स्थानपर हल्का वर्षा तथा हिमपातके सम्भावना अइछ । तराई, उपत्यका तथा खोँचमे भोरक समय कुहेस लागत ।(रासस)