काठमाण्डू, १४ कातिक : बाइढ़–भुस्खलनक कारण पृथ्वीराजमार्गसहित देशक १२सँ बेसी सड़कखण्ड अवरुद्ध भेल अइछ। प्रहरी प्रधान कार्यालयअनुसार धादिङके गजुरी गाउँपालिका–२ परेवाभीरमे रहल पृथ्वीराजमार्गमे लगातार वर्षाक कारण ऊपरसँ भुस्खलन खसलासँ दुनू दिसक सड़क पूर्ण रूपमे अवरुद्ध भेल अइछ।
प्रहरी प्रधान कार्यालयअनुसार बीपी राजमार्गक काभ्रे खण्ड सेहो अवरुद्ध भेल अइछ। आइ भोरे ४:५५ बजेसँ काभ्रेक रोशी गाउँपालिका–९ पिनथली तथा वाड नम्बर ८मे रहल गिम्दीबेँसीस्थित बीपी राजमार्गमे खहरे खोलासँ पत्थर सहित थाल आएलाक कारण सड़क पूर्ण रूपमे अवरुद्ध भेल अइछ।
आइ भोरेसँ सुर्खेतक बराहताल गाउँपालिका–७ औलिसेस्थित कर्णाली राजमार्गमे सड़कक ऊपरसँ सुख्खा भुस्खलन खसलासँ रस्ता पूर्ण रूपमे बन्द भेल अइछ। तहिना, मध्यपहाड़़ी राजमार्गक खोटाङ खण्ड सेहो अवरुद्ध भेल अइछ। ललितपुरके बाग्मती करिडोर आ कान्तिलोकपथके विभिन्न खण्ड सेहो अवरुद्ध अइछ।
प्रहरी प्रधान कार्यालयअनुसार कान्तिलोकपथक ललितपुर महानगरपालिका–२ बल्खु, सुन्दरीघाटस्थित करिडोर सड़कमे लगातार वर्षाक कारण पाइनके बहाव बढ़लासँ आवागमन पूर्ण रूपमे बन्द भेल अइछ। तहिना, कालीगण्डकी करिडोरअन्तर्गत गुल्मीक कालीगण्डकी गाउँपालिका–२ राक्सेस्थित कालीगण्डकी करिडोर सड़कखण्डमे भुस्खलनसँ सड़क अवरुद्ध भेल अइछ।
तहिना, कालीगण्डकी करिडोर अन्तर्गत पाल्पा खण्डमे रामपुर नगरपालिका–१ कासिबनस्थित कालीगण्डकी करिडोरमे सेहो भुस्खलन भेलासँ रस्ता पूर्ण रूपमे अवरुद्ध भेल अइछ। मुगुक छायानाथ रारा नगरपालिका–७ ताल्चास्थित नाग्म–गमगढी सड़कखण्ड सेहो अवरुद्ध भेल अइछ। रासस















