काभ्रेपलाञ्चोक, १४ कातिकः रोशी गाउँपालिका–९ पिन्थलीमे भुस्खलन खसलासँ बिपी राजमार्ग अवरुद्ध भेल अइछ ।जिला प्रहरी कार्यालय रोशी गाउँपालिका–८ गिम्दीबेँसीमे सेहो भुस्खलन खसलासँ उक्त राजमार्ग पूर्ण रूपमे अवरुद्ध भेल बताएल गेल अइछ । 


वर्षा जारी रहलासँ तत्काल रस्ता खोलब सहज नै होबाक उक्त कार्यालयक सूचना अधिकारी रविन विष्ट राससकेँ बतौलैन । राजमार्गके अवस्था देख क मात्रे यात्रा करबाक लेल ओ सर्वसाधारणमे आग्रह केलैन अइछ ।(रासस)