जनकपुरधाम, १३ कातिक : प्राकृतिक विपदक विषयमे मधेश प्रदेशसभाक सभामुख रामअशिष यादव विद्यार्थीसभकेँ जलवायु परिवर्तनविरुद्धक अभियानमे जोड़ैत वातावरण संरक्षणक चेतना फैलाबयमे सक्रिय छैथ।
प्राकृतिक विपदक घटना घटाबय आ वातावरण संरक्षणक सन्देश समाजक निचला स्तरधैर पहुँचेबाक उद्देश्यसँ सभामुख यादव क्याम्पसमे पढ़निहार विद्यार्थीसभसँ प्रत्यक्ष तथा डिजिटल माध्यमसँ जलवायु संवाद करैत आइब रहल छैथ।
‘प्रकृति रहत तखने मानव अस्तित्व रहत’ अइ सन्देशसहित जनकपुरधामक विभिन्न विद्यालय तथा कलेजक विद्यार्थीसभसँ संवाद करैत सभामुख यादव कहलैन जे जलवायु परिवर्तन आब केवल वातावरणक विषय नै रइह क मानव जीवन, स्वास्थ्य आ भविष्यसँ जुइड़ गेल अइछ। तेँ अइ विषयकेँ निचला स्तरधैर पहुँचेबाक लेल अभियान शुरू कएल गेल अइछ।
“प्रकृतिकेँ बचेलासँ मात्रे मानव जीवन बचाएल जा सकैत छै आ मानवके सक्रियतासँ मात्र प्रकृतिक संरक्षण सम्भव छै,” ओ कहलैन, “वन विनाश, बढ़ैत प्रदूषण, जनसङ्ख्याक दबाव आ वातावरणीय चेतनाक कमी जलवायु परिवर्तनक जोखिम बढ़ा रहल अइछ।”
प्रकृतिपर बढ़ैत हस्तक्षेप रोकल नै गेलापर एकर असर आगाँक पुस्ताकेँ आओरो बेसी भोगए पड़त, तेँ विद्यार्थीसभसँ अइ विषयमे संवाद शुरू कएल गेल हुनकर कहल अइछ। लगभग एक सप्ताह पहिने शुरू कएल गेल अभियानक क्रममे जनकपुरधामक सिद्धार्थ कलेज, मिट कलेज, राजर्षी विश्वविद्यालय, राराव कलेज तथा विभिन्न विद्यालयक विद्यार्थीसभसँ जलवायु परिवर्तनक विषयमे संवाद कएल गेल सभामुख यादव बतौलैन।
बितल आसिन १० गते रसुवामे आएल बाइढ़क घटना स्मरण करैत सभामुख यादव कहलैन जे प्राकृतिक विपदसँ होएबला मानवीय तथा भौतिक क्षति घटाबय लेल वातावरण संरक्षणकेँ विकासक प्राथमिकतासँ जोड़बाक चाही। “कारखाना आ उद्योग देश विकास लेल आवश्यक छै। मुदा औद्योगिक विकासक सङे वनजङ्गल सेहो बचाबय पड़त,” ओ कहलैन।
जलवायु परिवर्तनक प्रभाव केवल बाइढ़–भुस्खलनधैर सीमित नै रहल उल्लेख करैत ओ अत्यधिक गर्मी, तापक्रममे असामान्य वृद्धि आ एकर कारण उत्पन्न होएबला विभिन्न स्वास्थ्य समस्याप्रति सेहो विद्यार्थीसभकेँ सचेत करौलैन।
सभामुख यादव कहलैन जे जलवायु परिवर्तनक प्रभाव घटेबाक लेल सरकारक नीति तथा कार्यक्रम मात्र पर्याप्त नै छै, नागरिकक सोच, व्यवहार आ जीवनशैलीमे सेहो परिवर्तन आवश्यक अइछ। “युवासभमे काज करबाक ऊर्जा आ परिवर्तन अनबाक क्षमता होइत छै। अइ शक्तिकेँ वातावरण संरक्षणमे लगाएल जा सकलापर जलवायु परिवर्तनक प्रभाव घटाबयमे महत्वपूर्ण योगदान भेट सकैत छै,” ओ कहलैन।
विद्यार्थीसभ घर–परिवारसँ ल क समुदायधैर वातावरण संरक्षणक सन्देश पहुँचा सकैत छै तेँ हुनकासभकेँ अभियानक अगुवा बनेबाक चाही से हुनकर विचार छल।(रासस)















