काठमाण्डू, १३ कातिक : देशमे पश्चिमी वायुक आंशिक प्रभावक सङे बङ्गालक खाड़ीमे विकसित चक्रवात ‘अर्नब’के प्रभावसँ देशक विभिन्न भागमे वर्षा भ रहल अइछ।
मौसम पूर्वानुमान महाशाखाअनुसार आइ देशभैर सामान्यतः बादल लागल अइछ। कोशी आ बागमती प्रदेशक पहाड़़ी तथा तराई क्षेत्र आ मधेश प्रदेशक किछु स्थानमे हल्का वर्षा भ रहल अइछ।
महाशाखाक पूर्वानुमान अनुसार आइ दुपहरधैर अधिकांश स्थानमे बादल लागल रहत। कोशी, मधेश, बागमती, गण्डकी आ लुम्बिनी प्रदेशक बहुतो स्थान तथा कर्णाली आ सुदूरपश्चिम प्रदेशक हिमाली भूभागक अधिकांश स्थानमे मेघगर्जन आ ठण्कासहित मध्यम वर्षा तथा हिमपात भ सकैत अइछ। कर्णाली आ सुदूरपश्चिम प्रदेशमे सेहो वर्षा हएत ।
मधेश, बागमती, गण्डकी आ लुम्बिनी प्रदेशक तराई क्षेत्रक किछु स्थानमे आँधी–हावा बिहाइर चलबाक सम्भावना अइछ। कोशी, मधेश, बागमती, गण्डकी आ लुम्बिनी प्रदेशक किछु स्थान तथा कर्णाली आ सुदूरपश्चिम प्रदेशक हिमाली आ पहाड़़ी भूभागक एक–दुइ स्थानमे भारी वर्षाक सङे हिमपात भ सकबाक सम्भावना अइछ।
तहिना, आइ राइतमे सेहो देशक अधिकांश स्थानमे बादल लागल रहबाक सङे मेघगर्जन आ ठण्कासहित मध्यम वर्षा तथा हिमपात भ सकैत अइछ। किछु स्थानमे भारी वर्षा तथा हिमपात होबाक महाशाखाक अनुमान अइछ।( रासस)












