काठमाण्डू, १२ कातिक : देशमे प्रत्येक साल मस्तिष्कघातसँ ५० हजारसँ बेसी लोक प्रभावित होइत अइछ । विश्व मस्तिष्कघात दिवसके सन्दर्भमे नेपाल पक्षघात सङ्घके निवर्तमान अध्यक्ष राजु पौडेल रासससँ बातचित करैत उक्त तथ्य प्रस्तुत केलैन । 


‘हरेक मिनेट महत्वपूर्ण होइत छै’ नारासँ नेपालमे सेहो मस्तिष्कघात दिवस मनाएल जा रहल अइछ । नेपालमे प्रत्येक १० मिनेटमे एक गोटेकेँ मस्तिष्कघात होइत आएल ओ बतौलैन । 


अध्यक्ष पौडेल कहलैन, “मस्तिष्कघात मस्तिष्कके कोनो एक भागमे रक्तसञ्चार नै भेलापर होइत छै । मस्तिष्कमे अक्सिजन तथा पोषक तत्वके कमी भेलापर रक्त धमनीमे खून जमा भ अवरोध भेलापर मस्तिष्कके अपन नियन्त्रण नै रहैत छै, जेकरा मस्तिष्कघात कहल जाइत छै ।”


नेपालमे मस्तिष्कघातके वर्तमान अवस्था आ इलाजक लेल कएल जाएबला उपायके खोजी करबाक लेल सन् २०१७ मे नेपाल पक्षघात सङ्घ स्थापना क विभिन्न कार्यक्रम होइत आएल अइछ । मस्तिष्कघातके इलाजक लेल सङ्घ अन्तर्राष्ट्रिय मापदण्ड तय करैत आएल डा. पौडेल बतौलन । 

 

सङ्घ जर्मनीके हाइडलबर्गके युनिभर्सिटी हस्पिटलसँ पक्षघात सहकार्य करैत आएल अइछ । तहिना, जिआइजेड, विश्व स्वास्थ्य सङ्गठनलगायत संस्थासँ सहकार्यमे मस्तिष्कघात सम्बन्धमे सेहो काज करैत आएल अइछ ।  


मस्तिष्कघात भेल व्यक्तिमध्ये एक तिहाइके अकालमे मृत्यु होइत अइछ बतबैत डा. पौडेल एकरा भयावह हुअसँ रोकबाक लेल सरकारके विशेष ध्यान देबाक चाही बतौलैन । “विश्वमे हरेक चाइर गोटेमे एक गोटेकेँ आ तीन सेकेन्डमे एक गोटेकेँ पक्षाघातके सम्भावना रहैत छै । अइसँ सजग होबए पड़त,” ओ कहलैन ।


विश्वभैर प्रत्येक साल मस्तिष्कघातके कारण एक करोड़ २० लाख नागरिक प्रभावित होइत आएल अइछ । प्रभावितमध्ये ५० प्रतिशतके मस्तिष्कघातके कारण मृत्यु होइत आएल डा. पौडेल बतौलैन ।  


नेपाल जेहन अल्पविकसित आ विकासोन्मुख देशमे मस्तिष्कघातके दर बेसी भेलासँ सरकारके समयमे ध्यान देनाइ जरुरी रहल हुनक कहब छैन । नेपालमे अखन मस्तिष्कघात भेलमध्ये १५ सँ २० प्रतिशतके मृत्यु होेइत अइछ । 


हुनक कहब अनुसार उच्च रक्तचाप, मधुमेह, मोटापा, धुमपान, निष्क्रिय जीवन पद्धति, असन्तुलित आहार आ हृदयके गति गड़बड़ भेलासँ पक्षघातके सम्भावना भेलासँ ओइप्रति सतर्क रहबाक चाही । 


सन्तुलन हेराएब, आँइखक ज्योति अचानक कम हएब, बोली लड़खड़ाएब, हात पैड़ काज नै करबाक जेहन पक्षघातके लक्षण रहल आ एहन लक्षण देखेलापर चाइर घण्टा भीतर अस्पताल पहुँचाैलापर मात्रे इलाज सम्भव रहल डा. पौडेल बतौलैन । मस्तिष्कघात भेलापर शरीरमे खून जमा होबाक कारण खून पातैर बनाबैबला दबाइ प्रयोग क बेमारीके इलाज कएल जाइत अइछ आ ओइ अतिरिक्त बेमारीकेँ फिजियोथेरापीके सेहाे आवश्यक होइत अइछ ।  (रासस)