काठमाण्डू, १२ कातिक : मानसिक स्वास्थ्यसम्बन्धी जनचेतना अभिवृद्धि, प्रभावित व्यक्तिकेँ मनोसामाजिक सहयोग तथा पुनःस्थापनाके लेल नेपाल आ भारतक दू संस्था एक आपसमे सहकार्य करत ।
भारतके गोवास्थित गाना गोवा मानसिक स्वास्थ्य अस्पताल तथा पुनःस्थापना केन्द्र आ नेपालक ललितपुरस्थित युनाइटेड फेलोसिप नेपाल (युएफएन) के संयुक्त आयोजनमे मानसिक स्वास्थ्य सचेतना कार्यक्रम आयोजन कएल गेल ।
‘स्वस्थ काइलके लेल सङे आगु बढु' नारासहित आयोजित कार्यक्रममे मानसिक स्वास्थ्यसम्बन्धी समस्याबारे जनचेतना फैलेबाक, प्रभावित व्यक्तिकेँ आवश्यक सहयोग उपलब्ध करेबाक तथा ओकरासभक जीवन सहज आ सम्मानजनक बनेबाक लेल सामाजिक सहयोग आ संस्थागत सहकार्यके आवश्यकतापर जोड़ देल गेल छल ।
कार्यक्रमअन्तर्गत गोवामे दूनु संस्थाके प्रतिनिधि बीच संयुक्त बैसार आयोजन कएल गेल छल । बैसारमे गाना गोवाके मनोचिकित्सक डा प्याट्रिक आ मनोसामाजिक परामर्शदाता फ्रान्सिस्को फर्नान्डिस तथा युनाइटेड फेलोसिप नेपालक संस्थापक अध्यक्ष सुजिन महर्जन सहभागी छलैन ।
बैसारमे मानसिक स्वास्थ्यके क्षेत्रमे अनुभव आदानप्रदान, मनोसामाजिक सहयोग विस्तार तथा पुनःस्थापनासम्बन्धी कार्यक्रमकेँ अगु बढ़ेबाक विषयमे परामर्श भेल महर्जन जानकारी देलैन । मानसिक स्वास्थ्यसम्बन्धी समस्यासँ प्रभावित व्यक्तिकेँ आवश्यक परामर्श, सहयोग आ पुनःस्थापनाके अवसर उपलब्ध कराबैत ओकरासभप्रति सकारात्मक दृष्टिकोण विकास करबाक लेल कार्यक्रममे जोड़ देल गेल ।
नेपाली टोलीकेँ स्वागत आ आत्मीय आतिथ्य प्रदान कएने कहैत महर्जन गाना गोवा मानसिक स्वास्थ्य अस्पताल तथा पुनःस्थापना केन्द्रक टोलीप्रति आभार व्यक्त केलैन । दूनु संस्था बीचक सहकार्यसँ आबैबला समयमे मानसिक स्वास्थ्य सचेतना, मनोसामाजिक सहयोग तथा पुनःस्थापनाक क्षेत्रमे थप कार्यक्रम सञ्चालन करबाक लेल सहयोग होबाक अपेक्षा कएल गेल अइछ ।(रासस)















