काठमाण्डू, १२ कातिक : मेची करिडोर (केचना–कञ्चनजङ्घा सड़क) अन्तर्गत बेलासे–गोलाखर्क भञ्ज्याङके ९.५ किलोमिटर सड़क स्तरोन्नति करबाक ठेक्का सम्झौता रद्द कएल गेल अइछ ।


पूर्वाधार विकास मन्त्रालय अनुसार २७ करोड़ २२ लाख टका लागतके उक्त आयोजना २०८० पुस २९ गतेधैर सम्पन्न होबाक छल । मुदा, बेर–बेर म्याद थप कएलाक बादो ४७ प्रतिशत मात्रे भौतिक प्रगति भेल छल । बितल सात महिनामे तीन प्रतिशतसँ कम प्रगति भेलाक बाद पूर्वाधार विकास मन्त्रालयअन्तर्गतके सड़क डिभिजनसँ ठेका सम्झौता रद्द केलक अइछ ।


इलामस्थित सड़क डिभिजन कार्यालय आर्थिक वर्ष २०८१/८२ सँ अखनधैर १२ टा ठेका सम्झौता समाप्त क चुकल अइछ । अइ क्रममे निर्माण व्यवसायीसँ पेस्कीबापतके दू करोड़ ३८ लाख टका असुल कएल गेल अइछ, तँ छ करोड़ ७९ लाख टकाके कार्यसम्पादन जमानत जफत करबाक लेल सम्बन्धित बैंककेँ पत्राचार कएल गेल अइछ ।


ठेका सम्झौता अन्त्य कएल गेल सड़कखण्डके निर्माणकेँ निरन्तरता देबाक लेल आवश्यक स्रोत सहमति आ बहुवर्षीय ठेका सहमति प्राप्त क नयाँ ठेका प्रक्रिया आगु बढ़ाएल जाएत ।रासस

–––