झापा, १२ कातिक : बङ्गालक खाड़ीमे उत्पन्न ‘अर्नब’ चक्रवातके प्रभावक कारण देशक अन्य भागसहित झापामे सेहो बाइढ़ आ डुबानक जोखिम बढ़ल अइछ । सम्भावित विपदसँ बचबाक लेल जिला प्रशासन कार्यालय सर्वसाधारणकेँ विशेष सतर्कता अपनेबाक लेल आग्रह केलक अइछ ।


जल तथा मौसम विज्ञान विभाग आ राष्ट्रिय विपद जोखिम न्यूनीकरण तथा व्यवस्था प्राधिकरणक सूचनाकेँ आधार मानैत प्रशासन कातिक १२ गतेसँ १४ गतेधैर कोशी प्रदेशक  विभिन्न भागमे ठन्का आ हावा बिहाइरसहित मध्यमसँ भारी वर्षाके सम्भावना रहल जनौलक अइछ ।


अखन झापाके किसान पाकल धान काटैमे व्यस्त अइछ । मुदा, मौसमक प्रतिकूलताकेँ मध्यनजर करैत प्रशासन तत्काल धान नै काटए आ काइट लेने धान सुरक्षित स्थानपर भण्डारण करबाक लेल किसानकेँ विशेष अनुरोध केलक अइछ ।


भारी वर्षाके कारण सड़क तथा हवाई यातायातलगायत दैनिक जनजीवन प्रभावित होबाक प्रशासन जनौलक अइछ । सम्भावित जोखिमकेँ ध्यानमे राखैत सर्वसाधारणकेँ लम्बा दूरीके यात्रा नै करए आ वर्षाके समय सवारीसाधन नै चलेबाक लेल आग्रह कएल गेल अइछ ।


अचानक बाइढ़ एबाक सम्भवना रहल नहैर आसपासमे यात्रा नै करए, नदी कातमे माछ मारब तथा जारैन सङ्कलन करबाकजेहन काजसँ दूर रबाक लेल सूचनामे उल्लेख कएल गेल अइछ । 


भ्रामक सूचनाके पाछु नै लाइग आधिकारिक निकायसँ जारी हुअबला मौसमसम्बन्धी पूर्वानुमानकेँ मात्रे विश्वास करबाक लेल प्रशासन आग्रह केलक अइछ ।


चक्रवातसँ सम्भावित क्षति न्युनीकरणके लेल जिला प्रशासन कार्यालय सुरक्षा निकाय आ नेपाल रेडक्रस सोसाइटीके प्रतिनिधिसँ बुधदिन आकस्मिक बैसार सम्पन्न कएल गेल जनौलक अइछ ।


“चक्रवातके कारण भारी वर्षा होबाक पूर्वानुमान आइब गेल छै । तइ, धनजनके क्षति नै होए ओइ लेल हमसभ आवश्यक सम्पूर्ण सतर्कता अपनौने छी”, बैसारक बाद जानकारी दैत प्रमुख जिला अधिकारी श्रवण कुमार पोखरेल कहलैन, “स्थानीय तह, सुरक्षा निकाय, स्वयंसेवक तथा अन्य सरोकारवाला निकायकेँ पूर्वतैयारी अवस्थामे रहबाक लेल निर्देशन देल गेल छै ।”. (रासस)