काठमाण्डू, १२ कातिक : नागढुङ्गा सुरुङमार्ग निर्माण आयोजना इएह कातिक १५ गतेसँ सुरुङमार्ग सड़कके उपयोग करैबला सवारीसाधनसँ दस्तुर (टोल शुल्क) असुलबाक जनौलक अइछ ।


आयोजना आइ सार्वजनिक सूचना जारी क सड़क बोर्ड नेपालके कार्यकारी समितिके बितल आसिन १२ गतेके निर्णयअनुसार इएह कातिक १५ गतेसँ टोल शुल्क लेबाक जनाैलक अइछ । 


सरकार २०८२ चैत २६ गते राजपत्रमे सूचना प्रकाशित क नागढुङ्गा–नौबिसे सुरुङमार्गमे सवारीसाधन चलाबैबलाकेँ शुल्क निर्धारण कएने छल । सरकार सवारीसाधनके क्षमताअनुसार सुरुङमार्गके प्रयोग करैबला सवारीसाधनके लेल अलग–अलग दस्तुर निर्धारण कएने अइछ । कार, भ्यान, पिकअप, ट्रयाक्टर, माइक्रोबस आ अन्य हल्का सवारीसाधनके लेल काठमाण्डू प्रवेश करैतकाल ६५ टका आ ओएह वर्गके सवारीसाधन काठमाण्डूसँ प्रस्थान करैतकाल ६० टका निर्धारण कएल गेल अइछ ।


तहिना, मिनीबस, मिनी टिपर/ट्रकके लेल काठमाण्डू प्रवेश करैतकाल एक सओ २५ आ काठमाण्डूसँ प्रस्थान करैतकाल ८० टका दस्तुर निर्धारित कएल गेल अइछ । 


तहिना, बस, ट्रक (सिङ्गल रियर एक्सल) सवारीके लेल काठमाण्डू प्रवेश करैतकाल २ सओ ६० टका आ काठमाण्डूसँ प्रस्थान करैतकाल २ सओ टका दस्तुर निर्धारण कएल गेल अइछ । 


तहिना, मल्टिएक्सल ट्रक/सवारीसाधन, भारी उपकरणके लेल काठमाण्डू प्रवेश करैतकाल ६ सओ टका आ काठमाण्डूसँ प्रस्थान करैतकाल २ सओ ५० टका दस्तुर निर्धारण कएल गेल अइछ । ई सुरुङमार्गके बितल साओन ११ गते उद्घाटन क सवारीसाधन परीक्षणके रूपमे सवारीसाधन सञ्चालन करैत आएल अइछ ।  (रासस)