काठमाण्डू, १२ कातिक : तेसर संस्करणके नेपाल प्रिमियर लिग (एनपिएल) क्रिकेट प्रतियोगिताअन्तर्गत जनकपुर बोल्ट्स विरुद्ध काठमाण्डू गोखार्ज टस जीत क पहिने ब्याटिङ क रहल अइछ । ई दू टोली बीचक खेल कीर्तिपुरस्थित त्रिभुवन अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेट मैदानमे भ रहल अइछ ।
काठमाण्डूके ई पहिल खेल अइछ । जनकपुरकेँ पराजीत करैत विजयी सुरुआत करबाक लक्ष्यसहित काठमाण्डू मैदानमे अइछ । तहिना, जनकपुर पहिल जीतके खोजीमे रहत । जनकपुर पहिल खेलमे कर्णाली याक्स विरुद्ध पराजीत भेल छल । आइए हुअबला दोसर खेलमे कर्णाली याक्स आ विराटनगर किङ्ग्स बीच प्रतिस्पर्धा हएत । उक्त खेल साँझ ५ः०० बजेसँ सुरु हएत ।
विराटनगर पहिल खेलमे चितवन राइनोजसँ पराजीत भेल छल । सोमपाल कामी नेतृत्वक कर्णाली लगातार दोसर जीतके खोजीमे रहत । कर्णाली पहिल खेलमे पूर्वविजेता जनकपुरकेँ १९ रनसँ पराजीत करैत उत्कृष्ट सुरुआत कएने छल । कर्णाली आइ सेहो जीतके लक्ष्यसहित मैदान उतरत ।
एनपिएलमे आठटा टोली प्रतिस्पर्धा क रहल अइछ । प्रतियोगिता अगहन ५ गतेधैर सञ्चालन हएत ।( रासस)















