काठमाण्डू, १२ कातिक : तेसर संस्करणके नेपाल प्रिमियर लिग (एनपिएल) क्रिकेट प्रतियोगितामे आइ दू खेल हएत । पहिल खेलमे जनकपुर बोल्ट्स आ काठमाण्डू गोर्खाज तथा दोसर खेल कर्णाली याक्स आ विराटनगर किङ्स बीच प्रतिस्पर्धा हएत ।
नेपाल क्रिकेट सङ्घ (क्यान) अनुसार पहिल खेल दुपहर १२ः३० बजे तथा दोसर खेल साँझ ५ः०० बजेसँ कीर्तिपुरस्थित त्रिभुवन अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेट मैदानमे सुरु होबाक तालिका अइछ । (रासस)















