काठमाण्डू, १२ कातिक : बङ्गलादेशक क्रिकेटर परवेज हुसेन इमोन नेपाल प्रिमियर लिग (एनपिएल) के तेसर संस्करणके लेल जनकपुर बोल्ट्समे अनुबन्ध भेल छैथ । 


जनकपुर बोल्ट्स बुधदिन अबेर राइत सामाजिक सञ्जालमार्फत इमोनकेँ टोलीमे स्वागत करैत हुनका अनुबन्ध कएने जानकारी देलक अइछ ।


चौबिस वर्षीय बायाँ हातक ब्याट्सम्यान इमोन सन् २०२० मे बङ्गलादेश यु–१९ विश्वकप हासिल करैत समय टोलीके सदस्य छलैन । सन् २०२०–२१ के बङ्गबन्धु टी–२० कपमे ४२ बलमे ओ शतक बनौने छलैन । सन् २०२५ मे ओ संयुक्त अरब इमिरेट्स (युएई) विरुद्ध टी–२० अन्तर्राष्ट्रियमे सेहो शतक प्रहार कएने छलैन ।  


अखनधैर ओ ४० टी–२० अन्तर्राष्ट्रिय आ चाइर एकदिवसीय अन्तर्राष्ट्रिय खेलमे प्रतिस्पर्धा कएने छैथ । इमोन पाकिस्तान प्रिमियर लिग (पिएसएल) मे सेहो प्रतिस्पर्धा क चुकल छैथ । एनपिएल हुनका लेल ई दोसर दोसर विदेशी लिग अइछ ।  (रासस)