काठमाण्डू, १२ कातिक : राष्ट्रिय साइबर सुरक्षा केन्द्र साइबर सुरक्षा एड्भाइजरी केलक अइछ ।
नोड डट जेएस रनटाइममे नोड टु सेललगायत गम्भीरसुरक्षा कमजोरीसभ पहिचान भेल उल्लेख करैत केन्द्र सम्बन्धित निकायक प्रणाली तथा वेब एप्लिकेशनमे प्रयोग भेल नोड डट जेएस रनटाइमके भर्सन जाँच क नयाँ भर्सन अद्यावधिक करबाक लेल आग्रह केलक अइछ ।
“कमजोरीके दुरुपयोग भेलापर सम्बन्धित प्रणालीमे अनधिकृत पहुँच प्राप्त होबाक, सेवा अवरुद्ध होबाक तथा प्रणालीमे चइल रहल काजसभमे अनधिकृत नियन्त्रण कायम होबाक जोखिम रहैत छै । अइसँ बचबाक लेल सुरक्षा उपायसभ अबलम्बन करबाक लेल अनुरोध अइछ”, केन्द्र कहने अइछ ।
केन्द्रद्वारा बुधदिन जारी परिपत्र अनुसार वेबसाइटसभ सुरक्षित करबाक लेल वैध एसएसएल/टिएलएस प्रमाणपत्र अनिवार्य रूपमे लागू करबाक लेल सेहो निर्देशन देल गेल अइछ ।
प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद कार्यालयअन्तर्गतके सूचना प्रविधि तथा विद्युतीय शासन कार्यालय मातहत रहल केन्द्र सङ्घीय मन्त्रालय, आयोग, सचिवालय, प्रदेश मन्त्रालय, नेपाल नगरपालिका सङ्घ तथा गाउँपालिका राष्ट्रिय महासङ्घकेँ पत्राचार करैत वेबसाइटके सुरक्षा मापदण्ड प्रभावकारी रूपमे कार्यावंयन करबाक लेल आग्रह केलक अइछ ।
बितल समय साइबर सुरक्षा जोखिम बइढ़ रहल सन्दर्भमे प्रयोगकर्ताके तथ्याङ्क सुरक्षित रूपमे आदानप्रदान करबाक लेल वेबसाइटमे इन्क्रिप्सन व्यवस्था अनिवार्य करबाक लेल केन्द्र आग्रह केलक अइछ । ओइ लेल टिएलएस १.२ वा टिएलएस १.३ प्रोटोकलसहित वैध एसएसएल/टिएलएस प्रमाणपत्र प्रयोग करए पड़त से निर्देशनमे उल्लेख अइछ ।
निर्देशनअनुसार सब सरकारी निकायकेँ अपन वेबसाइटमे प्रयोग भ रहल एसएसएल/टिएलएस प्रमाणपत्रके वैधता तत्काल जाँच करए पड़त । प्रमाणपत्र नै भेल वा म्याद समाप्त भेल वेबसाइटमे आधिकारिक तथा विश्वसनीय निकायसँ वैध प्रमाणपत्र जारी क जड़ान आ कन्फिगरेसन करए पड़त ।
तहिना, वेबसाइटकेँ एचटिटिपिएस माध्यमसँ मात्रे सञ्चालन होबाक व्यवस्था मिलाबए आ टिएलएस १.२ तथा टिएलएस १.३ जेहन पुरान तथा असुरक्षित प्रोटोकल पूर्ण रूपमे बन्द करबाक लेल सेहो केन्द्र निर्देशन देलक अइछ ।
एसएसएल/टिएलएस प्रमाणपत्रके म्याद समाप्त हुअसँ पहिने नियमित नवीकरण करबाक व्यवस्था मिलाबए तथा वेबसाइटके सुरक्षामे देखाएबला कमजोरीसँ साइबर आक्रमणके जोखिम न्यूनीकरण करबाक लेल अन्य आवश्यक सुरक्षा मापदण्ड सेहो उच्च प्राथमिकतासहित कार्यावंयन करबाक लेल केन्द्र आग्रह केलक अइछ ।
सरकारी वेबसाइटके सुरक्षा सुदृढ़ करैत नागरिकके व्यक्तिगत विवरण तथा अन्य संवेदनशील सूचनाके संरक्षण करबाक लेल अइ प्रकारक व्यवस्था आवश्यक रहल केन्द्र जनौलक अइछ ।
–















