काठमाण्डू, ११ कातिकः उज्यालो नेपाल पार्टी अगिला स्थानीय तहक निर्वाचन गैरदलीय प्रणालीसँ सम्पन्न करबाक तथा विदेशमे रहल नेपाली नागरिककेँ अपन स्थायी ठेगाना रहल स्थानीय तहक निर्वाचनमे मतदान करबाक व्यवस्था सुनिश्चित करबाक माँग करैत निर्वाचन आयोगमे ज्ञापनपत्र बुझौने अइछ ।


ओहि पार्टीक अध्यक्ष कुलमान घिसिङ प्रमुख निर्वाचन आयुक्त मानबहादुर कार्कीसमक्ष बहादुर भवनस्थित आयोगक कार्यालयमे ज्ञापनपत्र देलैन।


ज्ञापनपत्रमे स्थानीय तहक निर्वाचनकेँ दलीय स्वार्थ तथा राजनीतिक शक्ति प्रदर्शनसँ मुक्त करैत नागरिकक प्रत्यक्ष सेवा, सुशासन तथा विकासमे केन्द्रित बनेबाक लेल गैरदलीय निर्वाचन प्रणाली अपनेबाक माँग कएल गेल अइछ । स्थानीय तहक नेतृत्व चयन करैत समय दलगत प्रभावक अपेक्षा उम्मेदवारक योग्यता, इमानदारी, कार्यक्षमता, कार्ययोजना तथा नागरिकप्रतिक जवाफदेहिताकेँ प्राथमिकता देबाक ओइ पार्टीक धारणा अइछ ।


ज्ञापनपत्रमे गैरदलीय स्थानीय निर्वाचनक विषय सार्वजनिक बहस तथा राजनीतिक प्रतिबद्धताक रूपमे आगाँ आइब चुकल सन्दर्भ उल्लेख करैत एकरा नीतिगत निर्णय तथा कार्यान्वयनक प्रक्रियामे ल जाएपर जोड़ देल गेल अइछ ।(रासस)