काठमाण्डू, ११ कातिकः राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस) सञ्चालक समितिके अध्यक्षमे सूचना तथा सञ्चार मन्त्रालयक सहसचिव विष्णु प्रसाद कोइराला आइ केन्द्रीय कार्यालयमे कार्यभार सम्हारने अइछ ।


हुनका महाप्रबन्धक सन्दीप राई आ विभागीय प्रमुखसभ स्वागत केलैन । पद बहालीक बाद अध्यक्ष कोइराला राससके सङ्गठन तथा व्यवस्थापन सर्वेक्षणके काज तदारुकातासँ आगु बढ़ेबाक बतौलैन । 


“राससके अध्यक्षके जिमेवारी सम्हारने छी । सूचना शक्ति भेलासँ राष्ट्रिय समाचार समिति ऐन, २०१९ केँ समयानुकूल परिमार्जनके प्रक्रिया प्रारम्भ कएल जाएत,” ओ कहलैन, “हमरासभ जल्दिए सञ्चालक समितिके बैसारसँ पदपूर्तिके प्रक्रियाकेँ आगू बढ़ाएब।”


तहिना महाप्रबन्धक राई लम्बा समयसँ सरकारक विभिन्न तहमे प्रशासनिक क्षेत्रमे अनुभव प्राप्त अध्यक्षके आगमनसँ राससके यात्रा आ श्रीवृद्धिमे योगदान पहुँचबाक विश्वास व्यक्त केलैन । ओ ६५ सालके गौरवपूर्ण संस्था रासस देशभैर सूचना प्रवाहमे अग्रणी भूमिका निर्वाह कएल कहैत संस्थाके समग्र कामकाजसहित सुधारके विषयमे अगिला दिनमे बातचित कएल जेबाक प्रतिबद्धता व्यक्त केलैन ।


अध्यक्ष कोइराला समाचार सङ्कलन, नेपाली, अङ्ग्रेजी, अन्तर्राष्ट्रीय समाचार सम्पादन तथा तस्बिर शाखाके निरीक्षण केलैन । 


अइसँ पहिने सञ्चालक समितिके अध्यक्ष रहल सएह मन्त्रालयक सहसचिव डा उदयबहादुर रानामगरके रक्षा मन्त्रालयमे सरुवा भेलाक बाद सहसचिव कोइराला राससके अध्यक्षमे नियुक्त भेल अइछ । 


भोजपुरके षडानन्द नगरपालिका–४ मे जन्मल अध्यक्ष कोइराला दू दशकसँ निजामति सेवामे छैथ ।

(रासस)