काठमाण्डू, ११ कातिक : देशक उच्च पहाड़ी तथा हिमाली भू–भागमे उत्पन्न होबाक सम्भावना रहल मौसमी विपदके जोखिमकेँ ध्यानमे राखैत अध्यागमन विभाग तीन दिनधैर पदयात्राके गतिविधि बन्द करबाक लेल अनुरोध केलक अइछ ।
विभागक निर्देशक सूर्य प्रसाद चापागाईं मङ्गलदिन सूचना जारी क राष्ट्रिय विपद जोखिम न्यूनीकरण तथा व्यवस्थापन प्राधिकरण कातिक १२, १३ आ १४ गते उच्च हिमाली आ पहाड़ी क्षेत्रमे भारी हिमपात, हिम तुफान तथा हिम भूस्खलनके उच्च जोखिम रहल चेतावनी देने कहैत पदयात्राके गतिविधि बन्द करबाक लेल अनुरोध कएने अइछ ।
उक्त तीन दिनक अवधिमे उच्च पहाड़ी आ हिमाली क्षेत्रक निषेधित स्थानपर पदयात्रामे जेबाक अनुमतिपत्र जारी नै करबाक विभाग बतौलक अइछ । विपदके जोखिमपूर्ण अवस्थाकेँ ध्यानमे राखैत विभाग पदयात्राके क्रममे अइसँ पहिने निर्धारण कएल गेल क्षेत्रमे प्रवेश क चुकल पर्यटककेँ सुरक्षित स्थान वा आश्रयस्थलमे रहबाक लेल आग्रह केलक अइछ ।
मौसमके प्रतिकूलता बीच हुअबला मानवीय दुर्घटना रोकबाक लेल ई सतर्कता अपनाएल गेल विभाग जनौलक अइछ । ट्रेकिङ एजेन्सी, पदयात्री, पथप्रदर्शक आ सम्बन्धित सब सरोकारवालासभकेँ अइ सूचनाके शख्त रूपमे पालन करए/कराबए विभाग निर्देशन देलक अइछ । विपदके जोखिम नै रहल आधिकारिक सूचना नै आबएधैर हिमाली तथा उच्च पहाड़ी क्षेत्रक यात्रा पूर्णरूपमे स्थगित करबाक लेल विभाग सबकेँ सचेत करौलक अइछ ।(रासस)















