काठमाण्डू, ११ कातिक : बङ्गालक खाड़ीमे विकसित भ रहल चक्रवात ‘अर्णब’के प्रभावसँ इएह कातिक १३ आ १४ गते भारी वर्षा, ठन्का तथा हावा बिहाइरक सम्भावना भेलासँ उच्च सतर्कता अपनेबाक लेल राष्ट्रिय विपद जोखिम न्यूनीकरण तथा व्यवस्थापन प्राधिकरण आग्रह केलक अइछ ।
प्राधिकरण सूचना जारी करैत कोशी, मधेश, बागमती, गण्डकी आ लुम्बिनी प्रदेशक अधिकांश स्थानपर मेघगर्जन, ठन्का आ हावा बिहाइरसहित मध्यम वर्षा तथा किछ स्थानपर भारी वर्षा होबाक जनौलक अइछ ।
प्राधिकरणके प्रवक्ता राम बहादुर केसीके कहब अनुसार जल तथा मौसम विज्ञान विभाग जारी कएने मौसम पूर्वानुमानअनुसार चक्रवात ‘अर्णब’के प्रभाव इएह कातिक १३ गते शुक्रदिनसँ नेपालमे पड़बाक अनुमान कएल गेल अइछ ।
उक्त चक्रवातक प्रभावसँ कर्णाली आ सुदूरपश्चिम प्रदेशक किछ स्थानपर सेहाे वर्षा होबाक सम्भावना अइछ । तहिना, उच्च पहाड़ी तथा हिमाली क्षेत्रमे भारी हिमपात, हिम भूस्खलन आ हिम आँधी उच्च जोखिम रहल प्राधिकरण जनौलक अइछ ।
सम्भावित विपदसँ बचबाक लेल उच्च पहाड़ी तथा हिमाली क्षेत्रमे यात्रा नै करए, अत्यावश्यक काजबाहेक यात्रा नै करए तथा नदी कात एवं बाइढ़क जोखिम भेल क्षेत्रमे नै रहबाक लेल प्राधिकरण अनुरोध केलक अइछ ।
तहिना, मौसम पूर्वानुमान आ आधिकारिक पूर्वसूचनाकेँ नियमित रूपमे अवलोकन करए तथा विपदके जोखिम देखेलापर तत्काल सुरक्षित स्थानपर जेबाक लेल सेहो प्राधिकरण आग्रह केलक अइछ ।
आपत्कालीन अवस्थामे आवश्यक सहयोग लेबाक लेल मौसमसम्बन्धी जानकारीके लेल ११५५, विपद सहायताके लेल १२३४, नेपाल प्रहरीके १०० आ पर्यटक प्रहरीके लेल ११४४ मे सम्पर्क करबाक लेल प्राधिकरण अनुरोध कएने प्रवक्ता केसी जानकारी देलैन । (रासस)















