काठमाण्डू, ११ कातिक : तेसर सिजनके नेपाल प्रिमियर लिग (एनपिएल) क्रिकेट प्रतियोगिता अन्तर्गत आइ सुदूरपश्चिम रोयल्स आ पोखरा एभेन्जर्स बीच प्रतिस्पर्धा हएत ।
आजुक खेल साँझ ५ः०० बजेसँ कीर्तिपुरस्थित त्रिभुवन अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेट मैदानमे सुरु हएत ।
कुशल भुर्तेल कप्तान रहल पोखरा अखनधैर एनपिएलके फाइनलमे स्थान नै बनाइब सकल अइछ । दीपेन्द्रसिंह ऐरी नेतृत्वके सुदूरपश्चिम लगातार दू बेर फाइनलमे स्थान बनौलाक बादो उपाधि हासिल नै सकल अइछ ।
जारी सिजनके एनपिएलमे सेहो आठटा टोली सहभागी भ रहल अइछ । नेपाल क्रिकेट सङ्घ (क्यान) अनुसार प्रतियोगिता अगहन ५ गतेधैर सञ्चालन हएत ।
अइ बीच, श्रीलङ्काके क्रिकेटर सदीरा समरविक्रमा पोखरा एभेन्जर्समे अनुबन्ध भेल छैथ ।
–––















