सप्तरी, १० कातिक : मधेश प्रदेशक सप्तरी लगायतक जिलाक ग्रामीण क्षेत्रमे कृषि सामग्री ओसारबाक लेल एखनो बैलगाड़ी साहारा बनल अइछ ।
मुख्य अन्नबाली धान, मकैँ तथा गहूँ लगायतक उत्पादन खेतसँ घरधैर पहुँचेबाक लेल ग्रामीण क्षेत्रमे बैलगाड़ी प्रयोग होइत आएल अइछ । देशमे सुविधायुक्त आधुनिक यातायात साधन तथा प्रविधिक विकास भेलोपर एखनो किछ ग्रामीण क्षेत्रमे कृषि सामग्री ल जेबाक लेल बैलगाड़ी विकल्पहीन साधनक रूपमे प्रयोग होइत रहल अइछ ।
महदेवा गाउँपालिका–५ भगपतपुरक दशरथ मण्डल परम्परासँ बैलगाड़ीमे सामान ल जेबाक काज एखनो भ रहल बतौलैन । ओ कहलैन, “जहियासँ हमरा याद छै, तहियासँ घरमे बैलगाड़ी रहए । दू दशक पहिनेधैर सेहो टोलक अधिकांश घरमे दूटा बैल तथा बैलगाड़ी अनिवार्य होइत छल । कतौँ जाएआबैत काल, सामान ल जेबाक लेल, बरियाती लेल सेहो बैलगाड़ीक प्रयोग होइत छल ।”
तराईक जिलाक अधिकांश ग्रामीण क्षेत्रमे एखनो हर जोतब, चौकी देब तथा दौनी करबाक लेल बैलके प्रयोग होइत आएल राजविराज नगरपालिका–१३ क किशुनदेव यादव बतौलैन । मुदा शहरी तथा सुगम क्षेत्रमे प्रविधिक विकासक सङ ट्रैक्टरके प्रयोग होइत आएल अइछ ।
(रासस)















