काठमाण्डू, १० कातिक : रसुवाके भोटेकोशी नदीमे आएल बाइढ़के बाद प्रधानमन्त्री दैवी प्रकोप उद्धार कोष आ प्रधानमन्त्री राहत कोषमे आर्थिक सहयोग जुटबाक क्रम जारी अइछ ।


प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद कार्यालय अनुसार कोषक विभिन्न खातामे आइ भोर ९ः०० बजेधैर मौज्दात रकम १८ अरब १३ करोड़ ६१ लाख ८७ हजार ६ सओ ८६ टका जमा भेल अइछ ।


प्रधानमन्त्री दैवी प्रकोप उद्धार कोषक विभिन्न नौटा वाणिज्य बैंकमे मौज्दात १३ अरब ४९ करोड़ ४६ लाख ८९ हजार ९ सओ ५७ टका आ हिमालयन बैंंक तथा लक्ष्मी सनराइज बैंकमे रहल डलर खातामे तीन करोड़ पाँच लाख ३६ हजार एक सओ ६९ अमेरिकी डलर जमा भेल अइछ ।

(रासस)