काठमाण्डू, १० कातिक : तेसर संस्करणके नेपाल प्रिमियर लिग (एनपिएल) क्रिकेट प्रतियोगिता अन्तर्गत आइ दूटा खेल हएत । 


पहिल खेलमे विराटनगर किङ्ग्स आ चितवन राइनोज तथा दोसर खेलमे जनकपुर बोल्ट्स आ कर्णाली याक्स बीच प्रतिस्पर्धा हएत ।


नेपाल क्रिकेट सङ्घ (क्यान) अनुसार आइ विराटनगर आ चितवन बीचके खेल दुपहर १२ः३० तथा जनकपुर आ कर्णाली बीचके खेल साँझ ५ः०० बजेसँ सुरु हएत ।


अखनधैर ई चाइर टोलीमध्ये जनकपुर मात्रे उपाधि हासिल कएने अइछ । उक्त टिम अइ बेर पहिल सिजनके इतिहास दोहरेबाक लक्ष्यमे रहत ।


तहिना, कर्णाली सेहो पहिल उपाधि जीतबाक लक्ष्यमे रहत । आइ हुअबला पहिल खेलमे प्रतिस्पर्धा करैबला चितवन आ विराटनगर सेहो उपाधिके लक्ष्यसहित मैदान उतरत ।


अइ बेरक एनपिएलमे किछ नयाँ सुविधा देल गेल अइछ । पहिल बेर एनपिएलमे ‘डिसिजन रिभ्यु सिस्टम’ (डिआरएस)के व्यवस्था कएल गेल अइछ ।


तहिना, अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेट परिषद (आइसिसी) पहिल बेर एनपिएलकेँ अन्तर्राष्ट्रिय मान्यता प्रदान केलक अइछ । नेपाल क्रिकेट सङ्घ (क्यान) पुरस्कार राशि सेहो वृद्धि कएने अइछ ।


प्रतियोगितामे उपाधि विजेता टोली एक करोड़ ५० लाख टका प्राप्त करत । तहिना, उपविजेता टोलीकेँ ८० लाख टका प्रदान करबाक क्यान जनौलक अइछ ।  रासस 

–––