इङ्गल्याण्डके चर्चित क्रिकेटर मलान चितवन रोइनोजमे अनुबन्ध


चितवन, १० कातिक : ‘टी–२०’, ‘एकदिवसीय’ आ ‘टेष्ट म्याच’ मे अन्तर्राष्ट्रिय शतक बनौने इङ्गल्याण्डके चर्चित क्रिकेटर डेभिड मलान काठमाण्डूमे जारी तेसर संस्करणके नेपाल प्रिमियर लिग (एनपिएल) अन्तर्गत चितवन राइनोजमे अनुबन्ध भेल छैथ । 


एनपिएलअन्तर्गत आइ चितवन राइनोज आ विराटनगर किङ्ग्स बीच प्रतिस्पर्धा हएत । चितवन राइनोज आइ आक्रमक तथा स्थिर ब्याटिङके लेल मलानकेँ पुनः टोलीमे आबद्ध कएने चितवन राइनोजके निर्देशक प्रताप देवकोटा जानकारी देलैन । अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेटमे अनुभवी ब्याटरके रूपमे परिचित मलान बितल संस्करणके एनपिएलमे सेहो चितवन राइनोजसँ खेलने छलैन ।  


इङ्गल्याण्ड सन् २०२२ मे ‘टि–२०’ विश्वकपके उपाधी हासिल कएने समय मलान महत्त्वपूर्ण सदस्य छलैन । मलान बायाँ हातक ब्याटर आ लेगब्रेक बलर छैथ । 


  आइधैर टेष्ट म्याचमे मलानके एक हजार ७४ रन अइछ आ टेष्ट म्याचमे उच्चतम स्कोर एक सओ ४० अइछ । तहिना, मलान एकदिवसीयमे ३० खेल खेलैत एक हजार ४ सओ ५० रन बनौने छैथ, तँ एकदिवसीय खेलमे हुनक उच्च स्कोर एक सओ ४० अइछ ।  


तहिना, मलान टि–२० मे ६२ खेल खेलैत एक हजार ८ सओ ९२ रन बनौने छैथ । हुनक टि–२० के उच्चतम स्कोर एक सओ ३ अइछ । आइसिसीके टी–२० अन्तर्राष्ट्रिय वरियतामे ओ शीर्ष स्थानपर सेहो पहुँच चुकल खेलाड़ी छैथ । 


नेपाल प्रिमियर लिग (एनपिएल) के पहिल संस्करणमे चारिम स्थान हासिल कएने चितवन राइनोज दोसर संस्करणमे सातम स्थानपर छल ।

(रासस)