काठमाण्डू, १० कातिक ः नेपाल प्रिमियर लिग (एनपिएल) क्रिकेट प्रतियोगिताके तेसर संस्करणमे सुरक्षा व्यवस्थाके लेल एक हजार एक सओ २४ गोटे प्रहरी परिचालन कएल गेल अइछ ।
जिला प्रहरी परिसर काठमाण्डूके प्रवक्ता, प्रहरी उपरीक्षक दान बहादुर थापा कीर्तिपुरस्थित त्रिवि क्रिकेट मैदानमे सञ्चालन भ रहल एनपिएल खेलके सुरक्षार्थ पर्याप्त जनशक्ति परिचालन कएल गेल जानकारी देलैन ।
सोमदिनसँ सुरु भेल उक्त प्रतियोगिता आगामी अगहन ५ गतेधैर चलत । उक्त प्रतियोगितामे जिला प्रहरी परिसर काठमाण्डू मातहतके प्रहरी कार्यालय तथा सम्बन्धित तालुक कार्यालयसँ प्रहरी परिचालन क सुरक्षा व्यवस्था मिलाएल गेल प्रवक्ता थापा बतौलैन ।
हुनक कहब अनुसार मुख्य प्रवेशद्वारपर ७० गोटे, दोसर गेटपर २ सओ ६ गोटे, तेसर गेटपर २ सओ ११ गोटे आ चारिम गेटपर २ सओ ६ गोटे प्रहरी खटाएल गेल अइछ । तहिना, सादा पोशाकमे ४० गोटे, पार्किङ क्षेत्रमे १५ गोटे तथा अन्य विभिन्न जिम्मेवारीमे प्रहरी परिचालन कएल गेल अइछ ।
प्रतियोगिता अवधिभैर खेलाड़ी, दर्शक तथा अन्य सरोकारवालाके सुरक्षा सुनिश्चित करए आ खेलकुद गतिविधिकेँ व्यवस्थित तथा मर्यादित बनेबाक लेल प्रहरी परिचालन कएल गेल अइछ । (रासस)















