काठमाण्डू, ९ कातिक : नेपाल आयल निगम एलपी ग्यास बिक्री करैतकाल अनिवार्य रूपमे भ्याट बिल जारी करबाक व्यवस्था मिलेबाक लेल सब ग्यास उद्योगकेँ निर्देशन देलक अइछ ।


 निगमके एलपी ग्यास तथा एभिएसन विभाग आइ सब ग्यास उद्योगकेँ पत्राचार करैत ग्यास बिक्रीके बाद बिलबिजक जारी नै कएने शिकायत एलाक कारण अनिवार्य रूपमे भ्याट बिल जारी करबाक व्यवस्था मिलेबाक लेल अनुरोध केलक अइछ ।


 निगमके निर्देशक इञ्जिनियर विनितमणि उपाध्यायद्वारा हस्ताक्षरित पत्रमे अइसँ पहिने सेहो मिति २०८१ साओन ३० आ २०८१ माघ १० गते सम्बन्धित सङ्घकेँ पत्राचार कएल गेल स्मरण कराओल गेल अइछ । पत्रमे ग्यास उद्योगसँ नियुक्त बिक्रेताके ग्यास बिक्री कएलाक बाद अनिवार्य रूपमे भ्याट बिल जारी क बिक्री वितरणके व्यवस्था मिलेबाक लेल कहल गेल अइछ ।(रासस) 

–––