काठमाण्डू, ९ कातिक : मौसम विज्ञान विभाग बङ्गालक खाड़ीमे विकसित चक्रवात ‘अर्णव’के प्रभावसँ अइगला वृहस्पैतदिनसँ शैनदिनधैर नेपालक विभिन्न स्थानपर वर्षाके गतिविधि बढ़बाक सङे हिमपात होबाक सम्भावना रहल जनौलक अइछ ।
विभाग आइ विषेश बुलेटिन जारी करैत किछ स्थानपर भारी वर्षाके सेहो सम्भावना भेलाक कारण उच्च सतर्कता अपनेबाक लेल अनुरोध केलक अइछ ।
विभाग अनुसार बङ्गालक खाड़ीमे रहल उक्त चक्रवात क्रमशः शक्तिशाली बनैत उत्तरपश्चिम दिशामे आगु बढ़बाक आ भारतके आन्ध्र प्रदेश तथा विशाखापट्टनमके बीचमे पड़ैबला यानम लग तटीय क्षेत्रमे प्रवेश करबाक सम्भावना अइछ । एकर प्रभावसँ नेपालमे मौसम बदली भ वर्षा आ हिमपात होबाक विभाग जनौलक अइछ ।
बुलेटिनअनुसार कातिक १२ गते वृहस्पैतदिनसँ मौसममे परिवर्तन सुरु होबाक आ विशेष क शुक्रदिन तथा शैनदिन कोशी, बागमती, मधेश, गण्डकी आ लुम्बिनी प्रदेशक विभिन्न क्षेत्रमे वर्षाके सम्भावना अइछ ।
कातिक १३ गते शुक्रदिनसँ १४ गते शैनदिनधैर कोशी, मधेश, बागमती आ गण्डकी प्रदेशक अधिकांश स्थानपर मेघगर्जन, ठन्का तथा हावा बिहाइरसहित मध्यम वर्षा होबाक सम्भावना अइछ । किछ स्थानपर भारी वर्षा होबाक विभाग अन्तर्गत मौसम पूर्वानुमान माहाशाखा जनौलक अइछ । लुम्बिनी प्रदेशक किछ स्थानपर सेहो मध्यमसँ भारी वर्षा होबाक पूर्वानुमान कएल गेल अइछ ।
तहिना, कर्णाली आ सुदूरपश्चिम प्रदेशक किछ स्थानपर मेघगर्जन, ठन्का तथा हावा बिहाइरसहित मध्यम वर्षा आ एक–दू स्थानपर भारी वर्षाके सम्भावना अइछ । देशक उच्च पहाड़ी तथा हिमाली भू–भागमे भारी हिमपात तथा हिम भूस्खलनके जोखिम रहल महाशाखा जनौलक अइछ ।
सम्भावित वर्षाके कारण धान काटबाक काज प्रभावित होबाक सम्भवना भेलासँ किसानकेँ आवश्यक सतर्कता अपनेबाक लेल महाशाखा अनुरोध केलक अइछ । उच्च पहाड़ी तथा हिमाली क्षेत्रमे भ्रमण करैबला पर्यटककेँ मौसमके अवस्था बुइझ क मात्रे यात्रा करए तथा प्रतिकूल मौसमके समय सुरक्षित स्थानपर रहबाक लेल आग्रह कएल गेल अइछ ।
वर्षा आ हिमपातके कारण जाढ़ बढ़बाक सङे बाइढ़, भूस्खलन, सड़क अवरोध तथा हवाई यातायात प्रभावित होबाक कारण सर्वसाधारण आ सम्बन्धित निकायकेँ पूर्वतैयारी करबाक लेल महाशाखा अनुरोध केलक अइछ। (रासस)















