काठमाण्डू, ९ कातिक : देशभैर बितल २४ घण्टामे विभिन्न प्रकृतिके २३ टा विपदके घटना भेल अइछ । उक्त घटनामे छ गोटेके मृत्यु भेल अइछ, तँ तीन गोटे बेपत्ता होबाक सङे दस गोटे घायल भेल अइछ ।


 विपदके कारण करिब २९ लाख चाइर हजार टका बराबरके भौतिक सम्पत्तिमे क्षति भेल राष्ट्रिय विपद जोखिम न्यूनीकरण तथा व्यवस्थापन प्राधिकरण जनौलक अइछ ।


 प्राधिकरण अनुसार कातिक ८ गते भोर १० बजेसँ आइ भोर १० बजेधैर देशक विभिन्न स्थानपर आइगलगी, सर्पदंश, लेक लागब तथा नाउ दुर्घटनालगायतक घटना भेल अइछ ।


 प्राधिकरणके प्रवक्ता शान्ति महतके कहब अनुसार उक्त अवधिमे सबसँ बेसी आइगलगीके ११ टा घटना भेल अइछ । तहिना, सर्पदंशके नौ, लेक लागल दू आ नाउ दुर्घटनाके एकसहित कूल २३ टा विपदके घटना भेल अइछ । हुनक कहब अनुसार सर्पदंशके घटनामे दू गोटेके मृत्यु भेल अइछ, तँ सात गोटे घायल भेल अइछ । तहिना, उच्च हिमाली तथा पहाड़ी क्षेत्रमे लेक लागलासँ एक गोटेके मृत्यु होबाक सङे दू गोटे घायल भेल अइछ ।


 तहिना, नाउ दुर्घटनामे तीन गोटेके मृत्यु भेल अइछ । उक्त दुर्घटनामे तीन गोटे घायल भेल अइछ, तँ नौ गोटेके उद्धार कएल गेल प्राधिकरण जनौलक अइछ । प्राधिकरण अनुसार बितल २४ घण्टामे भेल विपदके घटनासँ मानवीय क्षतिसहित विभिन्न स्थानपर भौतिक सम्पत्तिमे सेहो क्षति भेल अइछ । 


 विपदके घटनामे घायल भेल व्यक्तिसभक सम्बन्धित जिलाके विभिन्न स्वास्थ्य संस्थामे इलाज भ रहल अइछ । घटनासँ भेल क्षतिके थप विवरण सङ्कलन करबाक तथा प्रभावित क्षेत्रमे आवश्यक समवंय आ व्यवस्थापनके काज भ रहल प्राधिकरण जनौलक अइछ ।


 समयमे पूर्वतैयारी, जनचेतना तथा सुरक्षा सावधानी अपनौलापर विपदसँ हुअबला सम्भावित मानवीय तथा भौतिक क्षति न्यूनीकरण क सकबाक प्राधिकरणके कहब अइछ ।(रासस)