विराटनगर, ९ कातिक : प्रहरी झापा, सुनसरी आ उदयपुर जिलाके विभिन्न स्थानसँ लागुऔषधसहित नौ गोटेकेँ गिरफ्तार केलक अइछ । 


विशेष सूचनाके आधारपर खटल संयुक्त प्रहरी टोली ओकरासभकेँ गिरफ्तार कएने अइछ । कोशी प्रदेश प्रहरी कार्यालयके वरिष्ठ प्रहरी उपरीक्षक योगेन्द्रसिंह थापाके कहब अनुसार इटहरी उपमहानगरापलिका–१३ ओम शान्ति भवनस्थित प्रदेश १–०२–००५ ह ६४८० नं. के सिटी रिक्साकेँ चेकजाँच कएलापर ओकरासभकेँ गिरफ्तार कएल गेल जानकारी देलैन ।

 

गिरफ्तार हुअबलामे रिक्सा चालक हरिनगर गाँउपालिका–७ के १८ वर्षीय अब्दुल खान, सवार १८ वर्षीय मोतिम आलम आ को ३६ प ६२४३ नं. के मोटरसाइकल चालक हरिनगरा गाउँपालिका–७ के १८ वर्षीय सोजिप खान अइछ । 


ओकरासभसँ ट्रामाडोल ६ हजार ९ सओ ८० क्यापसुल, स्पास्मो–सात हजार क्यापसुल आ हाइड्रोब्रोमाइन–दू बोतल प्रतिबन्धित दवाइ सेहो बरामद कएल गेल अइछ । प्रहरी बराह क्षेत्र नगरपालिका–७ के २७ वर्षीय कुशल घिमिरे, ३२ वर्षीय तुलसी खड्का आ इटहरी–९ के ३२ वर्षीय मुकेश भुजेलकेँ सेहो तीन ग्राम ३० मिलिग्राम ब्राउन सुगर, प्रहरी चौकी भरोल बराह क्षेत्र–५ के ४० वर्षीय राम कुमार चौधरीकेँ एक सओ १० मिलिग्राम ब्राउन सुगरसहित गिरफ्तार केलक अइछ ।


इलाका प्रहरी कार्यालय बेलटार उदयपुर त्रियुगा नगरपालिका–१० के २६ वर्षीय मनोज मग्राङ्तीकेँ स्पास्मो–२ सओ ८८ क्यापसुल आ निट्राजेपाम–३ सओ ट्याब्लेट प्रतिबन्धित दावइसहित गिरफ्तार केलक अइछ, तँ झापाके इलाका प्रहरी कार्यालय अनारमनी ताप्लेजुङ फुङलिङ नगरपालिका–३ के २५ वर्षीय बविस भण्डारीकेँ तीन ग्राम एक मिलिग्राम ब्राउन सुगरसहित गिरफ्तार केलक अइछ । 


गिरफ्तार भेल सब गोटेके बारेमे थप अनुसन्धान भ रहल थापा जानकारी देलैन ।(रासस)