काठमाण्डू, ९ कातिक : नेपाल प्रिमियर लिग (एनपिएल) के उद्घाटन खेलमे लुम्बिनी लायन्स सुदूरपश्चिम रोयल्सकेँ पराजीत करैत प्रतियोगितामे सुखद सुरुआत केलक अइछ । 


 कीर्तिपुरस्थित त्रिभुवन विश्वविद्यालय अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेट मैदानमे भेल खेलमे लुम्बिनी लायन्स सुदूरपश्चिम रोयल्सकेँ सात विकेटसँ पराजीत केलक अइछ । सुदुरपश्चिम प्रस्तुत कएने ८८ रनके सामान्य लक्ष्यसहित मैदान आएल साविक विजता लुम्बिनी ९ दशमलव ५ ओभरमे ३ विकेटके नोक्सानीमे पूरा केलक ।


 लुम्बिनीके जीतक लेल ओपनर डार्सी सर्ट सर्वाधिक ४० रन बनौलैन । १८ बलमे ४ चौका आ ३ छक्का प्रहार करैत ओ ४० रन बनौलैन । तहिना, आसिफ शेख ३२ बनौलैन । निरोशन डिक्वेला ७ रन बनौलैन, तँ शमिम हुसेन एक तथा कप्तान रोहित पौडेल ५ रनपर अविजित छलैन ।


 बलिङदिस सुदूरपश्चिमके अनिल खरेल दू विकेट लेलैन, तँ कप्तान दीपेन्द्रसिंह ऐरी एक विकेट लेलैन । 


 ओइसँ पहिने टस हाइर क पहिने ब्याटिङ करबाक लेल मैदान आएल सुदूरपश्चिम १७.२ ओभर खेलैत सब विकेटके नोक्सानीमे ८७ रन मात्रे बनौलक । सुदूरपश्चिमके लेल कप्तान दीपेन्द्रसिंह ऐरि सर्वाधिक २७ रन बनौलैन । तहिना, सैफ जैब १३ रन बनौलैन, तँ अनिल खरेल १५ रनपर नट आउट छलैन । ओइ बाहेक अन्य खेलाड़ी दोहरा अङ्कमे रन नै बनौलैन । विनोद भण्डारी ९ रन बनौलैन, तँ इशान पाण्डे ७ रन बनौलैन ।


 बलिङदिस लुम्बिनी लायन्सके किशोर महतो सर्वाधिक चाइर विकेट लेलैन । तहिना, शेर मल्ल तीन विकेट लेलैन, तँ साड्ली भान शाल्कविक, रोहित पौडेल आ तिलक भण्डारी समान एकरएक विकेट लेलैन । 


 आगामी अगहन ५ गतेधैर सञ्चालन हुअबला प्रतियोगिताके उद्घाटन प्रधानमन्त्री बालेन्द्र शाह कएने छलैन । उक्त प्रतियोगिताके खेल देखबाक लेल शिक्षा तथा खेलकुद मन्त्री सस्मित पोखरेलसहित उच्च अधिकारीके उपस्थिति छलैन ।


 प्रतियोगिता अन्तर्गत काइल दू खेल हएत । दुपहर १२ः३० मे हुअबला पहिल खेलमे विराटनगर किङ्ग्स आ चितवन राइनोज तथा दुपहर ४ः३० बजे हुअबला दोसर खेलमे कर्णाली याक्स आ जनकपुर बोट्ल्स बीच प्रतिस्पर्धा हएत । What is Medicine paranthe When can(रासस)