काठमाण्डू, ९ कातिक : नेपाल मौसम विज्ञान विभाग, मौसम पूर्वानुमान महाशाखा आगामी पाँच दिनके मौसमी अवस्थाके पूर्वानुमान केलक अइछ ।  


विभागक मौसमविद रोजन लामिछानेके कहब अनुसार हाल देशमे पश्चिमी वायुके आंशिक प्रभाव भेलाक कारण आइसँ आंशिक बदली होबाक तथा बुधदिनसँ वर्षा आ हिमपातके सम्भावना अइछ ।


“आगामी शुक्रदिनधैर देशक विभिन्न भू–भागमे मौसममे बदली होबाक तथा वर्षा आ हिमपातके सेहो सम्भावना छै । आइ हिमाली भूू–भागमे आंशिक बदली रहबाक आ बाँकी क्षेत्रमे मौसम मुख्यतया सफा रहत,” ओ कहलैन, “आइ राइत कोशी, बागमती, गण्डकी आ लुम्बिनी प्रदेशक हिमाली तथा पहाड़ी भू–भागमे आंशिक बदली रहत, तँ अन्य भू–भागमे मौसम मुख्यतया सफा रहबाक पूर्वानुमान छै ।”

 

महाशाखा अनुसार मङ्गलदिन कोशी, मधेश, बागमती आ गण्डकीसहित कर्णाली आ सुदूरपश्चिम प्रदेशक हिमाली भूू–भागमे आंशिक बदली रहत । ओइ अवधिमे कोशी, बागमती आ गण्डकी प्रदेशक हिमाली भू–भागक एक–दू स्थानपर हल्का वर्षा तथा हिमपातके सम्भावना अइछ ।

 

बुधदिनसँ शुक्रदिनधैर सेहो देशक हिमाली तथा पहाड़ी भू–भागमे बदली रहबाक आ किछ स्थानपर वर्षा तथा हिमपात होबाक महाशाखा जनौलक अइछ ।


बुधदिन कोशी, बागमती, गण्डकी आ लुम्बिनी प्रदेशक हिमाली तथा पहाड़ी भू–भागक किछ स्थानपर हल्का वर्षा तथा हिमपातके सम्भावना अइछ । वृहस्पैतदिन आ शुक्रदिन सेहो विभिन्न प्रदेशक हिमाली तथा पहाड़ी भू–भागमे वर्षा तथा हिमपात होबाक पूर्वानुमान कएल गेल अइछ ।

 

मौसमसम्बन्धी पूर्वानुमानकेँ ध्यानमे राखैत आवश्यक सतर्कता अपनेबाक लेल सेहो महाशाखा आग्रह केलक अइछ । वर्षा तथा हिमपातके कारण दैनिक जनजीवन, पर्यटन, पर्वतारोहण, सड़क तथा हवाई यातायातमे असर पैड़ सकबाक कारण सम्बन्धित सबकेँ मौसमके अद्यावधिक सूचनासहित आवश्यक तैयारी करबाक लेल महाशाखा अनुरोध केलक अइछ । (रासस)