काठमाण्डू, ९ कातिकः प्रधानमन्त्री वालेन्द्र शाह नेपाल प्रिमियर लिग (एनपिएल) किछुए सालमे नेपाली खेलकुदके पैघ उत्सवके रूपमे स्थापित भेल उल्लेख केलैन अइछ ।


आइसँ सुरु हुअ लागल एनपिएलके तेसर संस्करणके अवसरमे ओ सामाजिक सञ्जालमार्फत सफलताके शुभकामना व्यक्त केलैन ।


प्रधानमन्त्री शाह कहलैन, “एनपिएलमे सहभागी होबाक लेल आएल सब अन्तर्राष्ट्रिय खेलाड़ी तथा ‘कमेन्टेटर’केँ हार्दिक स्वागत करैत छी । अइ सुन्दर खेल उत्सवके सफलताके लेल सम्पूर्ण नेपाली खेलाड़ी, आयोजक तथा नेपाल क्रिकेट सङ्घ (क्यान) केँ हार्दिक शुभकामना ।”


एनपिएलके उद्घाटन खेल आइ साँझ ५ः०० बजेसँ सुरु हएत । आजुक खेलमे दोसर संस्करणके विजेता लुम्बिनी लायन्स आ उपविजेता सुदूरपश्चिम रोयल्स बीच प्रतिस्पर्धा हएत ।(रासस)