काठमाण्डू, ९ कातिक : श्रीलङ्काके विकेटकिपर–ब्याटर कुशल परेरा नेपाल प्रिमियर लिग (एनपिएल) के तेसर संस्करणके लेल जनकपुर बोल्ट्समे अनुबन्ध भेल छैथ ।
जनकपुर अपन आधिकारिक फेसबुक पेजमार्फत आइ परेराकेँ टोलीमे अनुबन्ध कएने जानकारी देलक अइछ ।
जनकपुर सामाजिक सञ्जालमे परेराकेँ स्वागत करैत लिखने अइछ, ‘‘निर्भीक शैलीमे ब्याटिङ करैबला आ महत्वपूर्ण क्षणमे उत्कृष्ट प्रदर्शन करैबला खेलाड़ी कुशल परेरा एनपिएलके तेसर संस्करणके लेल जनकपुर बोल्ट्समे आबद्ध भेल छैथ ।”
परेरा अइसँ पहिने इण्डियन प्रिमियर लिग (आइपिएल), क्यारेबियन प्रिमियर लिग (सिपिएल), पाकिस्तान सुपर लिग (पिएसएल) सहित विभिन्न सात फ्रेन्चाइज लिग खेल चुकल छैथ । एनपिएल हुनका लेल आठम लिग रहत ।
श्रीलङ्काके राष्ट्रिय टोलीसँ तीनू प्रारूपमे खेलने परेरा टेष्ट क्रिकेटमे २२ खेलसँ एक हजार एक सओ ७७, एकदिवसीय अन्तर्राष्ट्रियमे एक सओ १६ खेलसँ तीन हजार २ सओ ३७ तथा टी–२० अन्तर्राष्ट्रियमे ९५ खेलसँ दू हजार ३ सओ ३५ रन बनौने छैथ ।
जनकपुर परेरासहित इङ्ग्ल्याण्डके मोइन अली, न्युजिल्यान्डके जिमी नीशम, पाकिस्तानके इफ्तिखार अहमद, अमरिकाके हरमित सिंहलगायत विदेशी खेलाड़ीके रूपमे अनुबन्ध कएने अइछ ।
एनपिएलके तेसर संस्करण आइसँ काठमाण्डूमे सुरु भ रहल अइछ ।(रासस)















