काठमाण्डू, ९ कातिक : रसुवाके भोटेकोशी नदीमे आएल बाइढ़के बाद प्रधानमन्त्री दैवी प्रकोप उद्धार कोष आ प्रधानमन्त्री राहत कोषमे आर्थिक सहयोग जुट्बाक क्रम अखनो जारी अइछ ।
प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद कार्यालय अनुसार कोषके विभिन्न बैङ्कके खातामे आइ भोर ९ः०० बजेधैर मौज्दात रकम १८ अरब नौ करोड़ ३२ लाख ३६ हजार ८ सओ ५२ टका पहुँचल अइछ ।
प्रधानमन्त्री दैवी प्रकोप उद्धार कोषक विभिन्न नौटा वाणिज्य बैङ्कमे मैज्दात १३ अरब ४८ करोड़ चाइर लाख २९ हजार ६४ टका आ हिमालयन बैङ्क तथा लक्ष्मी सनराइज बैङ्कमे तीन करोड़ चाइर लाख ९१ हजार ४ सओ ४४ अमेरिकी डलर पहुँचल अइछ ।(रासस)















