काठमाण्डू, ९ कातिक : इएह कातिक १७ आ १८ गते सब क्षेत्रसहित २१ लाख बालबालिकाकेँ भिटामिन ‘ए’ खुएबाक तैयारी भ रहल अइछ ।
सरकार आर्थिक वर्ष २०८३/०८४ के नियमित रुपमे पहिल चरणमे कातिक २ आ ३ गते खुआबैत आएल भिटामिन ‘ए’ कार्यक्रम दशमी भेलासँ कातिकके १७ आ १८ गते खुएबाक तैयारी कएल गेल अइछ ।
स्वास्थ्य सेवा विभागक पोषण शाखा प्रमुख लिला विक्रम थापा भिटामिन ‘ए’ क्याप्सुल छ महिनासँ ५९ महिनाके बालबालिके तथा किड़ाके दबाइ एक सालसँ पाँच वर्षधैरक बालबालिकाकेँ खुएबाक जानकारी देलैन ।
भिटामिन ‘ए’ करिब २१ लाख बालबालिका आ किड़ाके दवाइ करिब २० लाख बालबालिकाकेँ खुएबाक तैयारी अइछ । भिटामिन ‘ए’ सब प्रदेश स्वास्थ्य आपूर्ति केन्द्रमे पठाएल गेल अइछ ।
सरकार बालबालिकामे हुअबला स्वास्थ्य जटिलता तथा कुपोषणके जोखिम न्यूनीकरण करबाक लेल २०५० सालसँ भिटामिन ‘ए’ क्याप्सुल आ २०५६ सालसँ किड़ाके दबाइ नियमित खुआबैत आएल अइछ ।
राष्ट्रिय भिटामिन ‘ए’ कार्यक्रमके लेल ५२ हजार महिला स्वास्थ्य स्वयंसेविका आ १० हजार स्वास्थ्यकर्मी खटबाक ओ बतौलैन ।( Arianaरासस)















