काठमाण्डू, ८ कातिक : नेपाल प्रिमियर लिग (एनपिएल) के तेसर संस्करणके उपाधि जितैबला टोलीकेँ एक करोड़ ५० लाख टका प्रदान कएल जाएत ।


बितल संस्करणके तुलनामे अइ बेर विजेता टोलीके पुरस्कार राशि ४० लाख टकासँ बढ़ाएल गेल नेपाल क्रिकेट सङ्घ (क्यान) आइ आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे जानकारी देलक अइछ ।


प्रतियोगितामे दोसर स्थान हासिल करैबला टोलीकेँ ८० लाख टका, तेसर हुअबला टोलीकेँ ४० लाख टका आ चारिम स्थान हासिल करैबला टोलीकेँ ३० लाख टका प्रदान करबाक क्यानके कोषाध्यक्ष पदम बहादुर खड्का जानकारी देलैन ।  


बितल संस्करणमे लुम्बिनी लायन्स उपाधिसहित एक करोड़ १० लाख टका पुरस्कार प्राप्त कएने छल । अइ बेर विजेताके पुरस्कार राशि बढ़ौलासँ प्रतियोगिताके प्रतिस्पर्धात्मक आकर्षण आ व्यावसायिक महत्त्व आओर बढ़बाक क्यानके अपेक्षा अइछ ।


एनपिएलके तेसर संस्करण सोमदिससँ कीर्तिपुरस्थित त्रिवि अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेट मैदानमे सुरु हएत । अइ बेर सेहो प्रतियोगितामे आठटा टोलीके सहभागिता रहत ।(रासस)