काठमाण्डू, ८ कातिक : धनकुटा, उदयपुर आ भोजपुरके सङ्गमस्थल त्रिवेणीस्थित सप्तकोशीमे मोटरेबल नाउ दुर्घटना भेलासँ तीन गोटेके मृत्यु भेल अइछ । 


भोजपुरसँ बराहक्षेत्रदिस एबाक क्रममे मोटरेबल नाउ दुर्घटना भेल छल । उक्त घटनामे तीन गोटे बेपत्ता भेल अइछ । उक्त मोटरेबल नाउपर १६ गोटे सवार रहल अनुमान कएल गेल अइछ । 


उक्त स्थानपर सशस्त्र प्रहरी बल नेपाल नं.१ बाहिनीसँ पाँच गोताखोरसहित नौ, सुरक्षा वेश रामपुरसँ छ आ विपद व्यवस्थापन वेश चतरासँ नौ गोटेके टोली खटल सशस्त्र प्रहरीके सहप्रवक्ता शैलेन्द्र थापा जानकारी देलैन ।(रासस)