काठमाण्डू, ८ कातिक : सुदूरपश्चिम रोयल्स नेपाल प्रिमियर लिग (एनपिएल) के तेसर संस्करणके लेल वेष्ट इण्डिजके अलराउन्डर फेबियन एलेनकेँ अनुबन्ध केलक अइछ । टोली एलेनकेँ आइ अनुबन्ध कएल गेल औपचारिक जानकारी देलक अइछ ।
सुदूरपश्चिम रोयल्सके प्रमुख कार्यकारी अधिकृत प्रकाश खड्का एलेनके आगमनसँ टोलीके स्पिन बलिङ आ तरका क्रमके ब्याटिङकेँ थप बलगर बनाओत से प्रतिक्रिया देलैन ।
“फेबियन एलेन अनुभवी टी–२० खेलाड़ी छैथ । हुनक अलराउन्ड क्षमतासँ टोलीकेँ बलगर बनाओत से विश्वास अइछ । विशेष क स्पिन बलिङ आ तरका क्रममे आक्रामक ब्याटिङ करबाक हुनक क्षमतासँ टोली फाइदा लेत से अपेक्षा कएने छी” खड्का कहलैन । ३१ वर्षीय एलेन बायाँ हातक स्पिन बलिङ आ आक्रामक ब्याटिङके लेल परिचित छैथ । अखनधैर ओ वेष्ट इण्डिजके लेल २० एकदिवसीय आ ४२ टी–२० अन्तर्राष्ट्रिय खेलमे भाग ल चुकल छैथ ।
सुदूरपश्चिम शैनदिन वेष्ट इन्डिजके दोसर खेलाड़ी शेरफन रदरफोर्डकेँ अनुबन्ध कएने छल ।रासस















