काठमाण्डू, ६ कातिक:  राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा) क सभापति रवि लामिछाने तीर्थाटनक लेल भारत जा रहल अइछ । ओ तीन दिवसीय भ्रमणक लेल आइ भारत जा रहल हुनक  सचिवालय विज्ञप्तिमार्फत जानकारी देलक अइछ ।


विज्ञप्तिमे सभापति लामिछाने भारतके उत्तराखण्ड, नैनीतालस्थित  कैँचीधाम आ आसामके गुवाहाटीस्थित कामाख्या देवीके पूजाअर्चनाक लेल परिवारसहित जेबाक आ ई हुनक निजी भ्रमण रहल उल्लेख अइछ । (रासस)